0

नई दिल्ली। 25 मार्च। दिल्ली म जल्द ही नगर निगम (एमसीडी) चुनाव होय बाल ऐच्छ। ऐ बेर होय वला चुनाव अपने आप म काफी खास होय बला ऐच्छ, कियाकि ऐ बेर चुनावी मैदान म आम आदमी पार्टी(AAP) सेहो ऐच्छ। दिल्ली क तीनों नगर निगम पर बीजेपी क कब्जा ऐच्छ। दिल्ली क बीतल विधानसभा चुनाव म आम आदमी पार्टी क 70 म स 67 सीटों पर विजय क प्रचंड बहुमत मिलल छल। ओहि बीजेपी क प्रदर्शन ओडिशा म भेल निकाय चुनाव म काफी अच्छा रहल और बड़का जीत हासिल भेल छल। ओहे बीजेपी एमसीडी म बीतल 10 साल स सत्ता म छल।

एक ही चरण में वोटिंग-
एमसीडी चुनाव एक चरण म पूरा भ जेत। आगामी 22 अप्रैल क मतदान  और नतीजे 25 अप्रैल अबै बला छल मुदा 12वीं कक्षा के छात्र सब बोर्ड के परीक्षा क देखैत चुनाव आयोग आब दिल्ली म 23 अप्रैल के मतदान और नतीजा 26 अप्रैल के घोसित कैल जेत। एमसीडी क तीन हिस्सा म बाटल गेल ऐच्छ। यानि 3 जोन। ऐ म नॉर्थ, साउथ और इस्ट जोन अबैत ऐच्छ। राज्य क चुनाव आयुक्त एस के श्रीवास्तव ऐ बात क जानकारी साझा केलैथ हं। वहीं सब पार्टी या निर्दलीय उम्मीदवार सब 27 मार्च से चुनाव क लेल पर्चा दाखिल केनाय शुरू क सकैत ऐच्छ, जकर आखिरी तारीख 3 अप्रैल ऐच्छ। वहीं 8 अप्रैल तक उम्मीदवार अपन दाखिल कैल गेल पर्चा वापिस ल सकैत ऐच्छ। ऐ क अलावा एक उम्मीदवार क लेल चुनाव लड़य क खर्चा सीमा क 5 लाख रुपया स बढ़ाकर 5.75 लाख रुपया क देल गेल। वोटिंग उत्तरी नगर निगम क 104 और दक्षिणी नगर निगम क सहो 104 सीट क लेल हेत। वहीं पूर्वी नगर निगम में 64 सीट क लेल वोटिंग हेत।

अन्य जरूरी जानकारी-
आगामी चुनाव म दिल्ली क 272 पार्षद क किस्मत क फैसला भ जेत। चुनाव आयोग क मुताबिक दिल्ली म 1,32,10,206 वोटर ऐच्छ, जिय म स 73,15,915 पुरुष और 58,93,418 महिला वोटर ऐच्छ। वहीं उत्तरी एमसीडी म 42 सीट महिला क लेल रिजर्व कैल गेल। दक्षिणी एमसीडी म 45 और पूर्वी एमसीडी म 27 सीट महिला उम्मीदवार क लेल रिजर्व ऐच्छ। वहीं लोग सब क मतदान करय क सुविधा क लेल उत्तरी दिल्ली म 5,170, दक्षिणी दिल्ली म 5,074 और पूर्वी दिल्ली म 2,990 पोलिंग स्टेशन बनायल जेत। वहीं सुरक्षा क मद्देनजर लगभग 17 हजार सुरक्षा बल जवान सब क तैनाती कएल जेत। गौरतलब ऐच्छ जे कि ऐ चुनाव म सब राजनीतिक दल, जीतय क लेल अपन पूरा जोर लगेता। आम आदमी पार्टी क प्रदर्शन पंजाब और गोवा में हाल ही म भेल विधानसभा चुनाव म काफी खराब रहल छल। ऐना म दिल्ली म आम आदमी पार्टी क भविष्य क लेल ई चुनाव काफी अहम साबित होय बला ऐच्छ।

मिथिला दैनिक क' समाचार ईमेल द्वारा प्राप्त करि :

Delivered by Mithila Dainik

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

 
#zbwid-2f8a1035