0

पटना। 27 फरवरी। बिहार महिला उद्योग संघ द्वारा महिला उद्योग मेला 2017 के आयोजनक 25 फरवरी शनिवार दिन बोरिंग कैनाल रोड के श्रीराम उत्सव पैलेस मे उद्घाटन भेल। मेला के उद्घाटन श्री अजित सूद (CJM भारतीय स्टेट बैंक) केलनि जाहिमे मुख्य अतिथि के रूप मे श्री पि.के अग्रवाल (President Bhiar Chambers of Commerce) उपस्थित छला।  

एहि मेला मे विभिन्न राज्य केर महिला उद्यमी सभ भाग लेबाक लेल आयल छली। महिला उद्यमि सभके बाजार उपलब्ध करेबाक लेल एहि मेला के आयोजन कायल गेल अछि। मेला मे पूरा बिहार सहित कर्नाटक, मुम्बई, दिल्ली, कटक, कोलकाता, पुणे, दुर्गापुर आओर आदि जगह के  महिला उद्यमि सभ द्वारा कुल 153 स्टॉल लगाओल गेल अछि। 

मेला मे मिथिला पेंटिंग, मंजूषा, ब्लैक प्रिंग, सुजनी, हैंडलूम, जूट सँ बनल वास्तु , आर्टिफिशियल ज्वेलरी, भागलपुरी सिल्क, भांति - भांति के डिजाइनर ड्रेस, हाथ से बुनल स्वेटर, सत्तू, अचार, पापड़  आदिक स्टॉल लगाओल गेल अछि।

मेलाक उद्घाटन समारोह मे अध्यक्ष पुष्पा चौपड़ा, उषा झा, सुनीता सिंह, सुजाता जैसवाल, पूर्णिमा राय, पम्मी झा, सुमन शेखर आओर संघ केर समस्त पदाधिकारी उपस्थित छला। 

मिथिला दैनिक क' समाचार ईमेल द्वारा प्राप्त करि :

Delivered by Mithila Dainik

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

 
#zbwid-2f8a1035