भारत स्वाभिमान ट्रस्ट केर स्थापना दिवस मनाओल गेल - मिथिला दैनिक

Breaking

गुरुवार, 5 जनवरी 2017

भारत स्वाभिमान ट्रस्ट केर स्थापना दिवस मनाओल गेल

सहरसा। 05 जनवरी। शहर के मुख्य स्टेडियम मे भारत स्वाभिमान ट्रस्ट सह पतंजलि योग समिति केर द्वारा पतंजलि स्वाभिमान न्यास केर  स्थापना दिवस मनाओल गेल। स्थापना दिवस उद्घाटन केर मौका पर विभिन्न योग के संगे - संग हवन आहुति सेहो कायल गेल संगहि योग के संबंध मे विस्तार से चर्चा करैत वक्ता लोकनि कहलनि कि योग केर  माध्यम से कुनु भी प्रकार के रोग से छुटकारा भेट जायत अछि। ओतहि, समिति द्वारा माहेश्वर कुमार विनीत, त्रिवेणी कुमार सिंह, हेम नारायण मिश्र, डाॅ सीएम चौधरी, डाॅ शिवेन्द्र कुमार, डाॅ शंभूशरण, प्रभु नारायण यादव व चंद्रेश्वरी प्रसाद यादव के द्वारा आजीवन सदस्यता लेबाक लेल सम्मानित कायल गेलन्हि।  

दोसर दिस योग समिति के द्वारा आकांक्षा अनाथालय केर बच्चा सभक बिच खीर बांटा गेल आर आश्रम के संचालक डॉ शिवेन्द्र क' हुनक त्याग के लेल सम्मानित कायल गेलन्हि। एहि मौक़ा पर केंदीय प्रभारी अमित कुमार श्रीकांत महाराज, भूपेन्द्र कुमार, राज्य महिला प्रभारी डॉ वीणा कुमारी, प्रीतलाल यादव, हनुमान दास त्यागी, डाॅ केडी शर्मा, रीभा सिंह, रौशन कुमार शर्मा, दीपक कुमार कमलेश वर्मा, शिव नारायण यादव, जीवन कुमार स, मनोज कुमार, जीवन गुप्ता, नवीन कुमार सहित बहुतो रास लोकनि मौजूद छलाह।