मंडल कारा मे छापामारी, मोबाइल समेत कैको समान बरामद - मिथिला दैनिक

Breaking

गुरुवार, 12 जनवरी 2017

मंडल कारा मे छापामारी, मोबाइल समेत कैको समान बरामद

दरभंगा। 12 जनवरी। दरभंगा मंडल कारा मे कैल्ह बुधवार दिन एसएसपी व डीएम केर आदेश पर एएसपी दिलनवाज अहमद केर नेतृत्व मे छापामारी भेल। जता छापामारी केर दौरान वार्ड तीन आर छः से कैको आपत्तिजनक सामान बरामद भेल। 

मौका से एक मोबाइल, एक चार्जर, एक रॉड बरामद कायल गेल। जाहिके ल'के एएसपी दिलनवाज अहमद बतौलन्हि कि एसएसपी आर जिलाधिकारी केर निर्देश पर कैल्ह बुधवार दिन दरभंगा मंडल कारा मे छापामारी कायल गेल, जते बिना सीम के एक मोबाइल, चार्जर, रॉड वार्ड तीन आर छः से  बरामद कायल गेल अछि।