0

दरभंगा। 30 जनवरी। राष्ट्रपिता महात्मा गांधी के 69वीं पुण्यतिथि के मौका पर बलभद्रपुर स्थित जिला कांग्रेस कार्यालय मे एक संगोष्ठी केर  आयोजन भेल। जता संगोष्ठी क' संबोधित करैत कांग्रेस के जिलाध्यक्ष सीताराम चौधरी कहला कि महात्मा गांधी देशक लेल जे त्याग, बलिदान देलन्हि ओ बितेबाक जरुरत नहि अछि। पूरा दुनिया ओहिके जानैत अछि।  

ओतहि पार्टी के वरिष्ठ नेता व पूर्व मेयर अजय जालान कहला कि बापू केर  कुर्बानी क' सगर दुनियां जानैत अछि। हुनक इतिहास से छेड़-छाड़ करनिहार के देशक जनता कहियो माफ नहि करतैन्ह। जिला प्रवक्ता मो. असलम बापू के देखाओल राह सत्य आर अहिंसा पर चलबाक बात कहलैन्ह।  

मौका पर श्रद्धांजलि सभा केर आयोजन कायल गेल छल। जता कांग्रेस जिला उपाध्यक्ष रेयाज अली ख़ान, मनोज झा, परमानंद झा, रतिकांत झा, कन्हैया झा, अशोक पासवान, हशमत अली, माधव ठाकुर, शुशील सिंह, बहादुरपुर के प्रखंड अध्यक्ष उदित नारायण चौधरी, बहेरी प्रखंड अध्यक्ष विवेकानन्द चौधरी, तनवीर अनवर, धनंजय सिंह, पिंकू गिरी, राजकुमार पासवान, ज्ञानेन्द्र झा, त्रिभुवन कुमार, मो. अनवर सहित दर्जनों कांग्रेस कार्यकर्ता बापू क' श्रद्धांजलि अर्पित केलन्हि। 

मिथिला दैनिक क' समाचार ईमेल द्वारा प्राप्त करि :

Delivered by Mithila Dainik

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

 
#zbwid-2f8a1035