0

बांका। 20 जनवरी। मुख्यमंत्री नीतीश कुमार कहलनि कि केंद्र सरकार गिनती के शहर सभके स्मार्ट बनेबाक कवायद क' रहल अछि। लेकिन हम बिहार के सभ गामके स्मार्ट बनेबा मे लागल छी। ओ बनबैत रहैथ शहर सभके स्मार्ट, हम गामके स्मार्ट बनायब आर बिहार के एक - एक गाम स्मार्ट बनत। एतेक स्मार्ट बनायब कि हम्मर  स्मार्ट गामक स्मार्ट लोग हुनकर स्मार्ट शहर दिस देखबो नहि करत। ई हमर सपना अछि जे महज एक बरख बाद एक हकीकत होयत।  

आगा ओ कहलनि कि बरख 2017 के अंत तक राज्य के सभ गाम स्मार्ट होयत। सरकार के सात निश्चय सूबे के गाम आर एहिठाम बसै बला लोग सभके स्मार्ट बनेबाक लेल अछि। ताहिपर तेजी से काज चैल रहल अछि।  एहि अभियान मे एखन धरी खूब सफलता भेटल अछि। अभियानक गति अहिना तेज़ रहल तेँ देश के सामना स्मार्ट बिहार ठाढ़ होयत। नीतीश कुमार बांका मे कैल्ह गुरुवार दिन आरएमके मैदान मे आयोजित चेतना सभा क' संबोधित करबाक दरमियान उक्त बाद कहलनि। 

मिथिला दैनिक क' समाचार ईमेल द्वारा प्राप्त करि :

Delivered by Mithila Dainik

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

 
#zbwid-2f8a1035