0

नई दिल्ली। 31 जनवरी। संसद के बजट सत्र आय से शुरु भ' रहल अछि।  सत्र केर शुरूआत राष्ट्रपति प्रणब मुखर्जी  द्वारा दुनु सदन के संयुक्त रूप से संबोधित करबाक संग होयत। राष्ट्रपति सुबह 11 बजे से संसद भवन के सेंट्रल हॉल मे दुनु सदन क' संयुक्त रुप से संबोधित करता।  आइये आर्थिक सर्वेक्षण सेहो पेश कायल जायत। बजट सत्र के पहिल हिस्सा आय 31 जनवरी से 9 फरवरी तक चलत जखनकि दोसर हिस्सा 9 मार्च से शुरु भ' 12 अप्रैल तक चलत। आम बजट कैल्ह 1 फरवरी क' पेश कायल जायत। 

एहि बरख अलग से रेल बजट पेश करबाक परंपरा समाप्त कायल जे रहल अछि। रेलवे संबंधी प्रावधान एहि बेर आम बजट मे शामिल होयत।  विपक्षी दल सभ एहि बातक संकेत देलन्हि अछि कि संसद के एहि सत्र मे नोटबंदी केर मुद्दा जोरशोर से उठाओल जायत जाहिक कारण पिछ्ला शीतकालीन सत्र के दौरान कुनु कामकाज नहि भ' सकल छल। विपक्षी दल  सभक ऐहिक संगे किछ राज्य मे होमै बला विधानसभा चुनाव के बीच समय से पहिने बजट पेश करबाक लेल सेहो नाखुशी जाहिर केलन्हि अछि। 

मिथिला दैनिक क' समाचार ईमेल द्वारा प्राप्त करि :

Delivered by Mithila Dainik

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

 
#zbwid-2f8a1035