पटना एयरपोर्ट से शुरू होयत एयर एशिया के 2 फ्लाइट - मिथिला दैनिक

Breaking

शनिवार, 28 जनवरी 2017

पटना एयरपोर्ट से शुरू होयत एयर एशिया के 2 फ्लाइट

पटना। 28 जनवरी। पटना से हवाई जहाज मे सफर करैबलाक लेल नीक खबैर अछि। मलेशियाई एयरलाइन्स एयर एशिया जुलाई महीना से पटना से दिल्ली विमान सेवा शुरु करे जे रहल अछि। जय प्रकाश इंटरनेशनल एयरपोर्ट से 2 फ्लाइट दिल्ली-पटना-दिल्ली के लेल उड़ान भरत। 

अपने के बता दी कि विभिन्न एयरलाइन्स गर्मी के महीना मे पटना एयरपोर्ट से कुल 32 फ्लाइट ऑपरेट करबाक प्रस्ताव तैयार केना अछि।   फ़िलहाल ठंढ़ीक सीजन मे एखन 20 फ्लाइट पटना एयरपोर्ट से ऑपरेट कायल जे रहल अछि। ठंढ़ीक शेड्यूल 15 फरवरी तक चलत। 

पटना एयरपोर्ट के डायरेक्टर राजेंद्र सिंह लाहौरिया कहला कि एयरएशिया  DGCA क' 2 फ्लाइट चलेबाक लेल शेड्यूल सौपलन्हि अछि। पहिल फ्लाइट 8:30AM आर दोसर 8:30PM  लैंड करत।  एयरएशिया के अलावा पटना एयरपोर्ट से 4 आन एयरलाइन्स अप्पन सेवा द' रहल अछि।  जाहिमे एयर इंडिया, इंडिगो, गो एयर, जेट एयरवेज शामिल अछि। आब एयर एशिया केर सेवा शुरू होयबा से पटना के यात्रि सभक सुविधा बढ़त।