निश्चय यात्रा केँ तेसर चरण म' अररिया पहुंचला मुख्यमंत्री नीतीश कुमार - मिथिला दैनिक

Breaking

बुधवार, 7 दिसंबर 2016

निश्चय यात्रा केँ तेसर चरण म' अररिया पहुंचला मुख्यमंत्री नीतीश कुमार

अररिया। 07 दिसम्बर। मुख्यमंत्री नीतीश कुमार अप्पन निश्चय यात्रा केँ तेसर चरण आय अररिया सँ शुरू केलन्हि। ऐहिक लेल कैल्ह मंगलवार शाम ओ पूर्णिया पहुंचल छलाह। पूर्णिया म' रात्रि विश्राम केँ बाद मुख्यमंत्री आय भोर 10.25 बजे हेलीकॉप्टर सँ अररिया प्रखंड केँ रामपुर कोदरकट्टी गाम पहुंचला।

अररिया केँ रामपुर कोदरकट्टी गाम म' मुख्यमंत्री खुला मेँ शौच मुक्ति, हर घर नल केर जल, नली गली आर हर घर बिजली परियोजना केर निरीक्षण केलन्हि। ऐहिक बाद ओ सड़क मार्ग सँ 11.15 बजे अररिया प्रखंड स्थित आरटीपीए एवं डीआरसीसी केर निरीक्षण केलन्हि।

निरीक्षण केँ बाद 12.40 बजे डाक बंगला पहुंच करीब दुइ गहनता विश्राम केलन्हि। फेर, दुपहर 2.20 बजे अररिया कॉलेज लग चेतना सभा क' संबोधित करैत कहला कि बिहार महिला सशक्तिकरण केर मामला म' आय सभसँ आगा अछि। हम पंचायत व नगर पंचायत म' महिला क' 50 प्रतिशत स्थान देलहुँ। आब सिर्फ गाम 100 लोगक आबादी केँ टोला म' सेहो पक्की सड़क बनत। आगा ओ कहलनि कि आब हर गाम हर घर म' नल केर जल पहुंचत।

चेतना रैली क' संबोधित करबाक बाद नीतीश कुमार आय सांझ 05.00 बजे डीआरडीए सभा भवन म' जिला स्तरीय समीक्षात्मक बैठक म' भाग लेता। नीतीश कुमार ऐहिक बाद सांझ  07.00 बजे किशनगंज केँ लेल रवाना हेता। 

अररिया केँ बाद मुख्यमंत्री कैल्ह आठ दिसम्बर क' किशनगंज, नौ दिसम्बर पूर्णिया आर दस दिसम्बर क' कटिहार म' आयोजित निश्चय यात्राय म' शामिल हेता। एहि सँ पहिने ओ पूर्वी चंपारण, पश्चिमी चंपारण, सीतामढी, शिवहर, मुजफ्फरपुर, मधुबनी, दरभंगा आर समस्तीपुर म' निश्चय यात्रा क' चुकल छैथ।