रिलायंस जियो केर उपभोक्ता लेल खुशखबरी, जियो के सभ मुफ्त सेवा आब 31 मार्च 2017 तक भेटत - मिथिला दैनिक

Breaking

गुरुवार, 1 दिसंबर 2016

रिलायंस जियो केर उपभोक्ता लेल खुशखबरी, जियो के सभ मुफ्त सेवा आब 31 मार्च 2017 तक भेटत

मुम्बई। 01 दिसम्बर। जियो केँ ग्राहक सभक लेल खुशखबरी अछि। जियो केर मुफ्त सेवा 3 दिसम्बर क' समाप्त होयबाक ल' क' लोग सभ उदास उदास नजरि आबैत छल। लेकिन एहि मामला म' मुकेश अंबानी प्रेस कांफ्रेंस करि सभ अटकला क' खारिज क' देलन्हि। अंबानी साफ क' देलन्हि  कि जियो केर सभ नव - पुरान ग्राहक क' 31 मार्च 2017 तक मुफ्त सेवा देल जायत। 

मुकेश अंबानी जियो क' हाथोंहाथ लेबाक लेल जनता क' धन्यवाद देलन्हि।    मुकेश अंबानी कहला कि पाहिले तीन महीना म' जियो केर वृद्धि व्हॉट्सऐप, फेसबुक आर स्काइप सँ बेसी रहल। एहि तरहे सँ जियो दुनिया केर सभ सँ तेज़ी स' बढ़ाई बला टेक कंपनी अछि। 

मुकेश अंबानी आगा कहला कि जियो क' जनता केर भरपूर प्यार भेटल। लेकिन आन ऑपरेटर सभ जियो केर संग नहि देलन्हि। जियो केँ नेटवर्क क' मार्च, 2017 तक दुइगूना करबाक लक्ष्य अछि। जियो सभ क' ‘हैप्पी न्यू इयर’ केर तोहफा देत।  ‘हैप्पी न्यू ईयर’ प्लान केँ तहत 31 मार्च, 2017 तक मुफ्त अनलिमिटेड डाटा, कॉल, वीडियो आर वाईफाई रहत। 

मुकेश अंबानी केर अनुसार जियो डाटा-स्ट्रॉन्ग नेटवर्क अछि आर भारत केँ हर जियो ग्राहक एक औसत ब्रॉडबैंड उपभोक्ता केर तुलना म' 25 गुना बेसी  डाटा केर उपयोग क' रहल छैथ। 

ऐहिक अलावा मुकेश अम्बानी एक आर जानकारी देलन्हि ओ ई जे  रिलायंस जियो मोबाइल नंबर पोर्टिब्लिटी सेवा केर शुरुआत क' देना अछि आब अपने जिओ केँ फ्री सर्विस केर इस्तेमाल अप्पन दोसर सर्विस प्रोवाइडर बला नम्बर क' पोर्ट करवा क' सेहो क' सकैत छी। इ सर्विस जल्दे देश केँ 100 बड़का शहर म' भेटा लागत।

अपने क' बता दी कि जियो के तीन महीने सँ काम समय म' पांच करोड़ उपभोक्ता अछि।