रेप आरोपी पूर्व आरजेडी नेता आर विधायक राजबल्लभ यादव केर मुश्किल बढ़ल - मिथिला दैनिक

Breaking

शुक्रवार, 7 अक्तूबर 2016

रेप आरोपी पूर्व आरजेडी नेता आर विधायक राजबल्लभ यादव केर मुश्किल बढ़ल

दिल्ली। 07 अक्टूबर। नाबालिग सँ दुष्कर्म मामला केर आरोपी राष्ट्रीय जनता दल (राजद) सँ निलंबित विधायक राजबल्लभ यादव केर जमानत रद्द करबाक मामला केर सुनवाई आय सुप्रीम कोर्ट म' भेल।

सुप्रीम कोर्ट  राजवल्लभ क' नोटिस जारी करि जवाब माँगलन्हि। कोर्ट पुछलन्हि, किएक नै हुनकर जमानत रद्द कायल जाय? 17 अक्तूबर तक जवाब  मांगल गेल छैन्ह और ओहि दिन एहि मामला केर अगला सुनवाई सेहो अछि।

अपने क' बता दी कि राजबल्लभ यादव क' 30 सितंबर क' पटना हाईकोर्ट जमानत देना छल। बिहार सरकार आय कोर्ट म' मांग केलन्हि कि हाई कोर्ट केर आदेश पर रोक लगाओल जाय, लेकिन कोर्ट कहलनि की ई उचित नै होयत किएक जे ओ जेल सँ जमानत पर बाहर आईब गेल छैथ। आगा 17 अक्टूबर क' तय कायल जायत।