फिल्म अभिनय पर सात दिवसीय कार्यशाला संपन्न भेल - मिथिला दैनिक

Breaking

शुक्रवार, 7 अक्तूबर 2016

फिल्म अभिनय पर सात दिवसीय कार्यशाला संपन्न भेल

पटना। 07 अक्टूबर।  बिहार राज्य फिल्म विकास एवं वित्त निगम द्वारा सिनेमा एवं टेलीविजन केर प्रख्यात अभिनेता विनीत कुमार केर सौजन्य सँ फिल्म अभिनय पर सात दिवसीय कार्यशाला केर समापन कैल्ह निगम केर कार्यालय मॉरीशन बिल्डिंग परिसर म' भेल। 29 सितंबर सँ 6 अक्टूबर 2016 तक चलल एहि कार्यशाला म' 35 प्रतिभागि लोकनि हिस्सा लेलन्हि। एहि दौरान अभिनेता विनीत कुमार सभ प्रतिभागि लोकनि क' फिल्म अभिनय केर तकनीक आर ओहिकें बारिकि सँ रूबरू केलन्हि।

कार्यशाला केर समापन सत्र म' बिहार राज्य फिल्म विकास एवं वित्त निगम लिमिटेड केर प्रबंध निदेशक गंगा कुमार, फिल्म समीक्षक विनोद अनुपम आदि लोकनि शामिल भेलाह।

एहि मौका पर गंगा कुमार कहला कि ई कार्यशाला बिहार म' फिल्म क' बढ़ावा देबाक क्षेत्र म' एक पहल अछि, जे विनीत कुमार केर सौजन्य सँ संभव भ' सकल। बिहार म' सिनेमा केर क्षेत्र म' विनीत कुमार केर  योगदानक हम सराहना करैत छी। आगा ओ कहला कि बिहार राज्य फिल्म विकास एवं वित्त निगम लिमिटेड केँ प्रयास अछि बिहार सँ जुड़ल  कला आर संस्कृति क' विश्व पटल पर एक पहचान दियेबाक, जाहिक लेल हम सभ निरंतर प्रयासरत छी। जिसकी लिए हम लगातार लगे हुए हैं।