0


मधुबनी : बेनीपट्टी के प्रखण्ड अंतर्गत एसएच - 52 पर भेल भीषण बस हादसा में शोक संवेंदना देबा वाला फेहरिस्त में भारत के प्रधानमंत्री मोदी सs  लक राज्यक उप - मुख्यमंत्री तक पाछा नै रहला। प्रधानमंत्री ऑफिसक' ट्विटर हैंडल स पीड़ित परिवार क' प्रति संवेदना व्यक्त कएल गेल. जहाँ एक तरफ प्रधानमंत्री तक एही बात के संज्ञान लेला , ओतहि दोसर तरफ जनप्रतिनिधि के रवैया उदासीन रहल। मधुबनी सांसद क' हुकुमदेव यादव दर्शन दुर्लभ रहल ओहिठाम बेनीपट्टी विधायक सेल्फी लेबा में व्यस्त रहली।  

निचा पढू कए कि कएला ट्वीट आर विधायक क' सेल्फी 

प्रधानमंत्री ऑफिसक' ट्विट

मुख्यमंत्री नितीश कुमार क' ट्वीट 



उप मुख्यमंत्री तेजस्वी यादव क' ट्वीट


स्थानीय विधायक भावना झा क' सेल्फी 
सोमदिन करीब 11 बजे एही भेल एही धटना के बाद बिहार सरकार के दू मंत्री मदन मोहन झा आ कपिलदेव कामत सेहो घटना स्थल पर पहुँच स्थिति के जायजा लेला। बिहार सरकार क' तरफ स मृत व्यक्ति 4 - 4 लाख रुपया आर घायल व्यक्ति कए 50 - 50 हजार मुवावजा के घोषणा कएल गेला।



मिथिला दैनिक क' समाचार ईमेल द्वारा प्राप्त करि :

Delivered by Mithila Dainik

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

 
#zbwid-2f8a1035