0
अरुणाचल प्रदेश ०९ अगस्त:- अरुणाचल प्रदेश के पूर्ब मुख्य मंत्री कलिखो पूल के शव हुनकर आवास पर पंखा में लटकैत भेटल। किछ दिन पहिने भाजपा के समर्थन स मुख्यमंत्री बनल छलाह। पुलिस मामला के जाँच क रहल अइछ। कांग्रेस नेता निनॉन्ग  एरिंग आत्महत्या करैक आशंका जाहिर केलैन्ह।
टीवी रिपोर्ट के मुताविक,कलिखो पूल के शव हुनक आवास पर पंखा स लटकैत भेटल।बतेल जा रहल अइछ की कलिखो पूल किछ दिन स बहुत परेशान रहैत छलाह।कलिखो पूल कांग्रेस स बागी भ भाजपा स समर्थन ल क मुख्यमंत्री बनल छलाह,जेकरा कोर्ट असंबैधानिक घोषित केलाह तकर बाद तकर बाद कलिखो पूल के इस्तीफा देबय परलैन्ह आ  दोबारा अरुणाचल प्रदेश में कांग्रेस के सरकार बनल। कलिखो पूल एखन मुख्यमंत्री आवास में रहैत छलाह आ इस्तीफा के बाद मुख्यमंत्री आवास नै छोड़ने छलाह।

मिथिला दैनिक क' समाचार ईमेल द्वारा प्राप्त करि :

Delivered by Mithila Dainik

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

 
#zbwid-2f8a1035