नेपाल सं भारत आबय लेल पहचानपत्र जरुरी. - मिथिला दैनिक

Breaking

सोमवार, 1 अगस्त 2016

नेपाल सं भारत आबय लेल पहचानपत्र जरुरी.

काठमांडू 1 अगस्त:-भारत के सुरक्षा एजेंसी नेपाल स आबय बला के लेल बैध पहचान पत्र राखनाइ अनिवार्य क देलक,नेपाल के राष्ट्रीय समाचार एजेंसी राष्ट्रीय समाचार समिति के मुताबिक पंद्रह अगस्त क भारतक स्वतंत्रता दिवस के ल क भारतक सुरक्षा एजेंसी पश्चिमी नेपाल में सिमा पर सुरक्षा व्यवस्था के सख्त केनाइ शुरू क देलाह.
अमूनन नेपाली नागरिक के भारत आबै के लेल वीजा के जरुरत नै होइत अइछ आ भारतीय नागरिक के सेहो नेपाल जेबाक लेल वीजा लेबैक जरुरत नै होइत अइछ,भारतक सिमा सुरक्षा बल के हिसाब स झूलाघाट में पूरा सुरक्षा व्यबस्था कएल गेल अइछ जे की सीमावर्ती छेत्र बैटाडी में अइछ आ दुनु देश में प्रवेश करैक प्रमुख प्रवेश बिंदु अइछ.
पुलिस उपाधीक्षक मोहन प्रसाद कहलैन्ह जे भारत आबै बला नेपाली नागरिक के अगर पहचान पत्र नै रहत त हुनका वापस लौटा देल जायत.