हिमाचल प्रदेश हाई कोर्ट सं प्रियंका गांधी वाड्रा के भेटल बरका राहत. - मिथिला दैनिक

Breaking

गुरुवार, 28 जुलाई 2016

हिमाचल प्रदेश हाई कोर्ट सं प्रियंका गांधी वाड्रा के भेटल बरका राहत.

शिमला हिमाचल प्रदेश २८ जुलाई:-हिमाचल प्रदेश के हाई कोर्ट शिमला में प्रियंका गांधी वाड्रा केर जमीन स जूरल जानकारी नै देबैक मामला के प्रार्थी देवाशीष भट्टाचार्य के दिस स देल गेल आबेदन के रद्द क देल गेलै,जाहि के तहत ओ किछु दस्तावेज रेकॉर्ड में लगबै लेल गुहार कएल गेल छल.
न्यायाधीश  तरलोक सिंह चौहान स्पस्ट केलैन्ह की प्रार्थी ई बतबै में नाकाम रहला की कोन कारन स ई दस्तावेज के एही मामला में सम्बन्ध छै आ ई दस्तावेज रेकॉर्ड में लगेनाई अति आवयस्क छै ओहि लेल ई मामला ९ सितम्बर तक सुनबाई के लेल टैल गेल अइछ.
शिमला हाई कोर्ट के पिछला आदेश के अनुसार एही मामला के अंतिम बहस के लेल प्राथमिकता के तौर पर कोर्ट के सामने राखल जेत बता दी की हिमाचल प्रदेश के शिमला हाई कोर्ट राज्य सुचना आयोग के ओहि अंतरिम आदेश पर रोक लगा राखल अइछ.
एही के तहत आयोग प्रार्थी के प्रियंका वाड्रा के जमीन सौदा स सम्बंधित माँगल सुचना देबैक आदेश देल गेल छल आ एसपीजी प्रोटेक्टी हेबाक कारन प्रियंका गांधी वाड्रा सुचना देबै में आपत्ति जतेने छलीह.