फेसबुक पर लड़की मित्र बनी केलक अपहरण, 11 लाख टक्का फिरौती केर मांग - मिथिला दैनिक

Breaking

शुक्रवार, 17 जून 2016

फेसबुक पर लड़की मित्र बनी केलक अपहरण, 11 लाख टक्का फिरौती केर मांग

17 जून। समस्तीपुर जिलाक दलसिंहसराय के रघुवरपुर गांव केर रहिवासी गिरधर मिश्र के सूपुत्र  मनीष  कुमार सं स्नेहा झुनकी नामक एक फर्जी लड़की फेसबुक पर दोस्ती कईलनी। दुनू मे खूब बातचीत हुवे लागल।  स्नेहा के रूप म' फर्जी शख्स मनीष  कुमार क' 10 जून दीन  दलसिंहसराय स्टेशन पर भेंट करबाक  लेल बजा क' हुनकर अपहरण क' लेल लेलनी। 


किछ देरक बाद मनीष के परिजन सं फिरौती के रूप म' 11 लाख टक्का केर मांग कायल गेल।  बेगूसराय पुलिस द्वारा मनीष क' केशावे गामक महेश सिंह के घर सं बरामद कायल गेल। पुलिस एही मामला म' महेश सिंह, राहुल कुमार ,केशव कुमार अार प्रफुल्ल कुमार क' गिरफ्तार केना अछि। राहुल कुमार पहिनो अपहरण क' फिरौती वसूलबाक बाद एक नेना केर हत्याक आरोपी छथ।