मिथिला स्मृति

कोशिक कान्ह प ठाढ़ भ
कमला आ बेलौंती में
डूब लगबइए छि !
जेठ में तपैत अई शहर में
मिथिलाक स्मृतियें सौं
शीतल होइत छि !

माघ पूसक जार में
दाएयक बोरसी आ बाबाक घुर
गुमारक अनुभूति दैत अईछ !

भादबक झपसी में
बोराक घोघी ,माथ परक सूप
उप्नैनिया मेघडंबर सौं
सैद्खन सुखले रहैई छि !

बसंतक आगमन सौं
महकैत महुआ
गमकैत मज्जर
कोइलिक मिसिरिया बोल,
हरियरका नुआ मैं पियरका साडी सौं
तन मन सजले रहैत अइछ..!!!!

स स्नेह -विकाश झा

1 टिप्पणियाँ

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

एक टिप्पणी भेजें

और नया पुराने