सोनी एंटरटेनमेंट चैनल पर एखन सं किछुए देर पछाति,झलक दिखला जा शुरू भ रहल अछि। नृत्य आधारित एहि कार्यक्रम में माधुरी दीक्षित,मलाइका अरोड़ा सन कलाकार आ नृत्य निर्देशक रेमो डिसूजा केर सहभागिताक कारणें एहि कार्यक्रमक प्रतिएं दर्शक वर्ग में बेश उत्सुकता छैक। शो केर पंचलाईन छैकःहर सेलिब्रिटी का मिशन,इंडिया का मनोरंजन।
एहि प्रोग्राम मे स्ट्रीट डांसिंग,स्विंगिंग सिक्सटीज,70 केर दशक कें डिस्को,सुपरस्टार स्पेशल केर अतिरिक्त शैडो डांसिंग,ब्लाइंड फोल्ड,रोप एक्ट्स आर मिड-एयर डांसिंग सेहो देख सकब।
कार्यक्रम केर प्रत्येक शो घंटा भरि चलत। जेना पहिने धारावाहिक सभ 13 एपिसोड के रहैत छल,तहिना इहो कार्यक्रम तेरहे कड़ी धरि निर्धारित कएल गेल छैक। कार्यक्रम संचालन मोना सिंह आ सुमीत राघवन कें हाथ मे रहतन्हि। प्रत्येक एपिसोड मे थीम हर्डल आ स्पेशल परफॉर्मेंस कें जोड़ल गेल छैक। बीबीसी वर्ल्डवाइड द्वारा निर्मित एहि कार्यक्रम मे सिनेमा,टीभी,खेलजगत आ संगीते जगत टा नहि,राजनीतिक मैदानक खेलाड़ीलोकनि कें सेहो देख सकब। प्रसारण सोम सं ब्रैस्पति धरि राति 9 बजे सं हएत।
neek samachar
जवाब देंहटाएंएक टिप्पणी भेजें
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।