जैतपुर, बदरपुर दिल्लीमे विद्यापति पर्व सम्पन्न- अशोक कुमार झा - मिथिला दैनिक

Breaking

सोमवार, 6 दिसंबर 2010

जैतपुर, बदरपुर दिल्लीमे विद्यापति पर्व सम्पन्न- अशोक कुमार झा


मिथिला सेवा संघक तत्वावधानमे 04 दिसम्बर , 2010 शनिवारक दिन विद्यापति स्मृती पर्व मनाओल गेल. साहित्यकार श्री गंगेश गुंजन जी के प्रमुख आतिथ्य मे संपन्न कार्यक्रमक उदघाटन अखिल भारतीय मिथिला संघक अध्यक्ष श्री बिजय चन्द्र झाजी केलैन. मैथिल साहित्यकार श्री गजेन्द्र ठाकुर,एम सी डिक को ऑर्डनेटिंग  ऑफिसर  श्री पि. के. झा जी क उपस्थिति मे सैकडों दिल्ली एन सी आर मे रहनिहार मैथिल लोकिन कार्यक्रमक लुफ्त उठओलेन .
कार्यक्रम मे प्रसिद्ध गायक श्री हरी नाथ झा, कुञ्ज बिहारी मिश्र, श्रीमती कुम कुम  मिश्र, श्री राम बाबु झा, श्रीमती अंजू झा, श्री माधव राय, सुनील कुमार पावन लगायत अन्य कलाकार लोकिन अप्पन सुनाधुर आवाज मे विद्यापति के याद कराओलैन . कर्यक्रमके आयोजन मे संरक्षक श्री यु. एन. झा, श्री अशोक झा, संस्थाक अध्यक्ष श्री वलराम मिश्र, उपाध्यक्ष श्री रामानंद पाठक लगायत अहरी सुनील कुमार झा, श्री सुनील झा एवं श्री अमित मिश्र जी के योगदान अभूतपूर्व रहल.