नहि फुराइए लए कतय नुकाउ,
संकट मे पड़ल निज जान ओ जी।
डार तोडि आब प्राण मंगैयए,
धय ठोंठ ठिठियाए महगी।
आध पेट खा दिन-राति,
ढ़ेकरै छी भरि लोटा जल पी।
सुखा गेल बिनु बतिये,
चार परक सजमनि लत्ती।
हार कांपय जाइत हाट हमर,
साधंश नहि, लेब तरकारी।
महगीक ई विकट धाह,
ढनढना देलक भोजनक थारी।
लोक करत की, अछि कानि रहल,
मुदा सरकार नचैछ बजा पिपही।
परिवार बनल हो जेना पहाड़,
टेकब कोना हम बनि टिटही।
चिंतित छी जे कोना जुरत,
पोथीक टाका, सेनूर, टिकुली।
एहना मे की छोड़ा सकब?
सोनरा सं हुनक हार, हंसुली।
महगी बना देलक अछि हमरा,
अयोग्य, निरीह ओ अपराधी।
भेल अवस्था एहन हमर,
अपने सं अपना कें दुत्कारी।
घर अबिते ताकय हमरा दिस,
बैसल विवश बेटा-बहु-धी।
लागय जेना ओ पूछि रहल हो,
खायब की ? खायब क़ी ?
परिचय
मूल नाम : रूपेश कुमार झा
पिता : श्री नवकांत झा
पितामह : स्व हरेकृष्ण झा
साहित्यिक नाम : रूपेश कुमार झा 'त्योंथ' (मैथिली कविता) ओ नवकृष्ण ऐहिक
(आलेख/व्यंग्य)
साहित्यिक प्रकाशन : मैथिलीक विभिन्न पत्र-पत्रिका मे दर्जनो कविता ओ
मैथिली दैनिक मिथिला समाद मे 'खुरचन भाइक कछ्मच्छी' स्तम्भ केर अंतर्गत
तीन सय सं बेसी व्यंग्य लेखन-प्रकाशन
शिक्षा : स्नातक (कंप्यूटर अप्लिकेशन)
कार्यरत : वर्त्तमान मे कोलकाताक एक हिंदी दैनिक (झलक) मे संपादन मंडल मे कार्यरत, ओ झलक मिथिला : मैथिलीक हलचल-मिथिलाक हालचाल (मैथिली साप्ताहिक) केर संपादन कार्य
स्थायी पता: ग्राम+पत्रालय : त्योंथागढ़ , भाया : खिरहर, जिला: मधुबनी (मिथिला)
संपर्क: मोबाइल: +91-9239415921 , इ-मेल : rkjteoth@gmail.com

bad neek geet lagal
जवाब देंहटाएंएक टिप्पणी भेजें
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।