गाम - नगर में (गीत) - विनीत ठाकुर

गाम - नगर में सोरसराबा सुनल गेल बड़ बेसी
लोकतन्त्र में अपन अधिकार लs कs रहत मधेशी
जनसंख्या सँ जनसागर में जोरल छलों हम सीधा
खाकs हमहूं लाठी गोली पारकेलों सबटा बाधा

बटवृक्षक अंकुर बनि जनमत कतेको आशा
लतरल चतरल मधेस में हेते नै कतो निराशा
जाइत पाइत में नै ओझराकs चुनब असली नेता
विकास में लिखत नव ईतिहास मधेसक बेटा

हिसाब सीधा सबकिछु में छी आधा के अधिकारी
कानून में जँ ई नै लिखत तँ होयत समस्या भारी
मधेसक नेता चिन्हु समस्या करू नै अपना में टन्टा
छी जागल अधिकारक लेल सब मधेसी जनता

विनीत ठाकुर

स्थायी पता: मिथिलेश्वर मौवाही - ६, धनुषा, नेपाल.. इ-मेल: binitthakur@yahoo.co.in

2 टिप्पणियाँ

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

  1. मिथिला :: जय हो।
    बटवृक्षक अंकुर बनि जनमत कतेको आशा
    लतरल चतरल मधेस में हेते नै कतो निराशा
    बड नीक रचनी अछि।

    जवाब देंहटाएं

एक टिप्पणी भेजें

और नया पुराने