रामदेव झा-निर्जल मेघ - मिथिला दैनिक

Breaking

शुक्रवार, 9 अक्तूबर 2009

रामदेव झा-निर्जल मेघ

राशि-राशि मेघ आबि
पड़ाएल जाइत अछि
पश्चिम दिस
प्रतीक्षककें डुबा क’
निराशाक सागरमे --

जेना कोनो
फ्लैग स्टेशन पर
कोनो एक्सप्रेस ट्रेन
हड़हड़ाइत जाइछ चल।

आ ठाढ़, प्लेटफारम पर
मोसाफिर देखि-देखि
ठकुआएल रहि जाइत अछि।