एलेक्ट्रिक गर्ल-रामानुग्रह झा

भारतक एकटा बुढ़बा जादूगर
अनने छल विश्वक मेलामे
सबकें देखयबाक हेतु फ्री
एकटा एलेक्ट्रिक गर्ल!

‘लोकतन्त्रात्मक’ मन्त्राद्रष्टा
लाठीसँ फोड़ि कपार
नादिरशाह आ हिटलरक
गाड़ि देने छल अहिंसाक कब्र तर

मुदा, ‘सम्पूर्ण प्रभुत्व सम्पन्न’ लोक
उठा देलनि फ्री पास
आ लागू भेल अछि आब
एलेक्ट्रिक गर्लक देखबा लेल चमत्कार
केवल हाइ रेट आ स्टुडेन्ट्स कन्सेशन मात्रा।

अपूर्व अछि लागल मेला
लोक सभक ठेलम-ठेला
भरि रातिमे तीन बेर, तीन शो
तीन खेप बनैत अछि भरि राति
योजना, बजट आ सरकार
सब क्यो चानी काटि रहल अछि।

धन्य हे बुढ़बा जादूगर!
केहन अनलह तों एलेक्ट्रिक गर्ल!

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने