नताशा 24 (चित्र-श्रृंखला पढ़बाक लेल नीचाँक चित्रकेँ क्लिक करू आ आनन्द उठाऊ।)

4 टिप्पणियाँ

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

  1. देवांशु जी हमर गप्प के रोख नहि मानब। जे जनसत्ता पढ़ैत हेताह ओ नताशा सँ पूर्वपरिचित हेताह। अपने एकरा मैथिली मे लेलिऐक स्वागत अछि (हिन्दीओ मे अहींक अछि), मुदा की मैथिली आ ओकर व्याकरण के दुर्गति करब अहाँक अभीष्ट अछि। 12/9/09क नताशाक पोस्ट मे नताशाक अंतिम कथन छैक (अहाँक मोताबिक)"टी.वी आँन-आँफ करय लेल माय के बेर-बेर भंसाघर में जायत पड़ैत अछि"। ने भाषा ठीक ने व्याकरण ठीक। क्रिया जाए आ जाएत दुनू एकै वस्तु नहि थिक। ताहि पर "अछि"क प्रयोग सोन मे सुहागा । कृप्या "अछि'क स्थान पर "छन्हि" कए देबै त हमरा पर नहि मुदा मैथिली पर बड़का उपकार करबै अपने ।

    एहन समय मे जखन की आलोचना के व्यत्तिगत दुश्मनी बूझल जाइत छैक हमर टिप्पणी के कोन अर्थ लगेबै अहाँ से हमरा बूझल अछि।

    जवाब देंहटाएं
  2. मैथिल आर मिथिला14 सितंबर 2009 को 10:20 pm बजे

    आशीषजी। देवांशु जी जे काज मैथिली लेल कय रहल छथि से अद्भुत अछि, मैथिलीमे बाल साहित्यक जे अकाल अछि तकरा देखैत।

    अहाँक प्रश्न समीचीन भय सकैत अछि= मुदा अहाँक वक्तव्य के " मुदा की मैथिली आ ओकर व्याकरण के दुर्गति करब अहाँक अभीष्ट अछि।" देवांशुजीक लेल प्रयुक्त करब समीचीन नहि।

    अहाँक आ सभ पाठकगणक - रचनाकारक - प्रस्तुतकर्ताक रचनात्मक- आलोचना/ समालोचनाक स्वागत अछि/ रहत।

    जवाब देंहटाएं
  3. भाषाई त्रुटि पर ध्यान दियेबाक लेल भाइ अनचिन्हार जीक आभार ! हम एडिट क' सुधार करबाक प्रयास केनय छी. मैथिली भाषाक सन्दर्भ मे अपन अल्पज्ञता सं हम नीक जोका परिचित छी तें बेर-बेर त्रुटि दिस ध्यान दिया उपकृत करबाक कृपा करी....

    जवाब देंहटाएं

एक टिप्पणी भेजें

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने