लल्लन प्रसाद ठाकुर- 2



किछु पाठक गणक अनुरोध आ हमरा ई -मेल सेहो आयल छल जे श्री लल्लन प्रसाद जी कs विषय में तथा हुनक रचनाक जानकारी ब्लॉगक मध्यम किछु देबाक लेल। ओना हुनकर एकटा ब्लॉग छैन्ह जाहि केर लिंक छैक : www.lallanprasadthakur.blogspot.com/ मुदा पाठकगणक अनुरोध छैन्ह तs हम हुनक संक्षिप्त परिचय एही ब्लॉग पर सेहो दs रहल छी।


"श्री लल्लन प्रसाद ठाकुर जी"ओना तs अभियंता छलाह मुदा एकटा अभियंता में एक संगे एतेक रास गुण बहुत कम देखबा में अबैत छैक। ई १९८१ कs गप्प थिक, देश भरि में मैथिलि कs अष्ठम सूचि में स्थानक लेल आन्दोलन चलैत छलैक। एही सन्दर्भ में निर्णय भेल छलैक जे देशक हर क्षेत्र सs प्रधानमन्त्री के नाम पत्र पठायल जायत । लाखक लाख पत्र देशक हर कोना सs मैथिलि भाषा भाषी लिखि कs प्रधानमन्त्री इंदिरा गाँधी के पठौलखिन्ह। एही में जमशेदपुरक मैथिल भाषा भाषिक सेहो पूर्ण रूपेण सहयोग रहलैन्ह। विचार भेलैक जे एकटा छोट छीन कार्यक्रम कैल जाय, पोस्टकार्ड पहिनही घरे घर बाँटि देल जाय आ ओहि दिन जतेक तक भs सके पोस्टकार्ड लोक लs कs आबैथ आ जमा करैथ ।कार्यक्रमक भार श्री लल्लन प्रसाद जी के ई कही देल गेलैन्ह जे समय बहुत कम छैक परंच ओ जओं चाहिथिन्ह तs भs सकैत छैक।


समय कम की, बड़ कम छलैक, मुदा जाहि दिन निर्णय लेल गेलय कि कार्यक्रम होयतैक ओहि दिन अपन अभिन्न मित्र श्री बालमुकुन्द जी कs सँग बैसी कs ई निर्णय लs लेल्थिन्ह जे कोन तरहक कार्यक्रम होयतैक। निर्णय भेलैक जे एकटा मैथिलि संगीतक (ऑर्केस्ट्रा) कार्यक्रम कैल जाय, आ हम सब ओहि दिन के संकल्प दिवस के रूप में मनाबी । बालमुकुन्द जी के गेलाक बाद ओहि कार्यक्रमक पहिल गीत सेहो लिखा गेलय। करीब दू सप्ताहक समय छलैक, ओहि में गीत सबटा लिखि कs अपनहि धुन दs आ किछु गीत अपनहि गेनहो रहथिन्ह। बाकी गीत के सेहो कलाकार सब सs तैयारी करा निर्धारित तारीख कs कार्यक्रम भs गेलैक। कार्यक्रम खूब सफल रहलैक। ओहि कार्यक्रमक पहिल गीत वा स्वागत गीत अछि :


"संकल्प गीत "


संकल्प लिय संकल्प लिय
संकल्प लिय यौ,
बाजब मैथिलि
मिथिलाक लेल जियब यौ .....
संकल्प लिय .......२


शांतिमय प्रयास हमर ई ,
सुनिलिय देशक नेता.....३
सूचि अष्ठम में स्थान दियौ
आरो नय किछु कहब यौ ....
संकल्प लिय ........२ ।


लाखक लाख पत्र जाइत अछि
आंखि खोलि कs देखू .........३
आबि गेल समय इंदिरा जी ,
मिथिलाक मान राखू ...३
संघर्ष बढ़त जाँ बात ने मनबय
आरो ने हम सहब यै।
संकल्प ........३।

आ आब तs मैथिलिक स्थान अष्ठमसूचि में सेहो छैक जे की सम्पूर्ण मैथिलि भाषा भाषी कs प्रयास सs भेल छैक।

गीतकार : लल्लन प्रसाद ठाकुर
संगीतकार :लल्लन प्रसाद ठाकुर

E-mail:

kusum_thakur@yahoo.com
kusumthakur1956@gmail.com

5 टिप्पणियाँ

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

  1. "संकल्प गीत "


    संकल्प लिय संकल्प लिय
    संकल्प लिय यौ,
    बाजब मैथिलि
    मिथिलाक लेल जियब यौ .....
    संकल्प लिय .......२


    शांतिमय प्रयास हमर ई ,
    सुनिलिय देशक नेता.....३
    सूचि अष्ठम में स्थान दियौ
    आरो नय किछु कहब यौ ....
    संकल्प लिय ........२ ।


    लाखक लाख पत्र जाइत अछि
    आंखि खोलि कs देखू .........३
    आबि गेल समय इंदिरा जी ,
    मिथिलाक मान राखू ...३
    संघर्ष बढ़त जाँ बात ने मनबय
    आरो ने हम सहब यै।
    संकल्प ........३।

    गीतकार : लल्लन प्रसाद ठाकुर
    संगीतकार :लल्लन प्रसाद ठाकुर

    ehi gitak prastuti lel dhanyavad

    जवाब देंहटाएं
  2. लाखक लाख पत्र जाइत अछि
    आंखि खोलि कs देखू .........३
    आबि गेल समय इंदिरा जी ,
    मिथिलाक मान राखू ...३
    संघर्ष बढ़त जाँ बात ने मनबय
    आरो ने हम सहब यै।
    संकल्प ........३।

    sabhak sammilit prayas se bhartak samvidhan aab maithili ke manyata day delak

    जवाब देंहटाएं
  3. मिथिलाक मान राखू ...३
    संघर्ष बढ़त जाँ बात ने मनबय
    आरो ने हम सहब यै।
    संकल्प ........३।
    bahut sundar
    jay maithil ---
    jay mithila ---
    jay maithil samaj

    जवाब देंहटाएं

एक टिप्पणी भेजें

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने