गजल
मछगिद्ध जँ माछ छोड़ि दिअए त डर मानबाक चाही
लोक जँ नेता भए जाए त डर मानबाक चाही
रंडी खाली देहे टा बेचैत छैक अभिमान नहि
मनुख अस्वभिमानी हुअए त डर मानबाक चाही
अछि विदित शेर नहि खाएत घास भुखलों उत्तर
वीर अहिंसक बनए त डर मानबाक चाही
माएक रक्षा करैत जे मरथि सएह विजेता
माए बेचि जँ रण जितए त डर मानबाक चाही
सम्मानक रक्षा करब उद्येश्य अछि गजल केर
जँ उद्येश्य बिझाए त डर मानबाक चाही
मछगिद्ध जँ माछ छोड़ि दिअए त डर मानबाक चाही
लोक जँ नेता भए जाए त डर मानबाक चाही
रंडी खाली देहे टा बेचैत छैक अभिमान नहि
मनुख अस्वभिमानी हुअए त डर मानबाक चाही
अछि विदित शेर नहि खाएत घास भुखलों उत्तर
वीर अहिंसक बनए त डर मानबाक चाही
माएक रक्षा करैत जे मरथि सएह विजेता
माए बेचि जँ रण जितए त डर मानबाक चाही
सम्मानक रक्षा करब उद्येश्य अछि गजल केर
जँ उद्येश्य बिझाए त डर मानबाक चाही
bah bhai, gazal me ahank javab nahi,
जवाब देंहटाएंjahi prakare dvandaka madhyama se, viparitata ke pakari kae gazal likhlahu se adbhut.
गजलमछगिद्ध जँ माछ छोड़ि दिअए त डर मानबाक चाही
जवाब देंहटाएंलोक जँ नेता भए जाए त डर मानबाक चाही
नेते किये बन्धु, लोके सँ तँ नेता बनैत छथि
सम्मानक रक्षा करब उद्येश्य अछि गजल केर
जवाब देंहटाएंजँ उद्येश्य बिझाए त डर मानबाक चाही
सहि कह्लहि, अपना ल' कए चल्बाके चाही।
अछि विदित शेर नहि खाएत घास भुखलों उत्तर
जवाब देंहटाएंवीर अहिंसक बनए त डर मानबाक चाही
alankarik gazal
padhba me nik lagal,
जवाब देंहटाएंgazal ehne hoi chhaik
"Ahak Jatha enni tatha onni" bad nik lagal . tahi k lel bahut dhanyabad.
जवाब देंहटाएंmuda e gajal me kebal shabde ta bhetal pranak kami achhi muda ahak kalam tej achhi ruka nai debai chalabait rahu.
jai maithili.
neeka laagal, kanek halluk aa mongar kavita seho chahi vyast jivnak bad
जवाब देंहटाएंbhai ji ekta aar jhamkauwa diyauk
जवाब देंहटाएंgazalak dharm nibhbait nik rachna
जवाब देंहटाएंgazal vidha maithili me otek pratishthit nahi rahal karan phooharpan beshi chhal, aab lagaiye ahank aagman ekra door kay rahal achhi.
जवाब देंहटाएंनीक गजल।
जवाब देंहटाएंएक टिप्पणी भेजें
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।