केहेंन हुए आहा के जीवन साथी.....


मिथिला बहिन लोकेन के लेल खाश"

एक लड़की के लेल हुनकर विवाह बेहद महत्वपूर्ण क्षण होइत छैन ! अपन माँ - बाबूजी के साथ जीवन बिताबैं के पश्चात जखन ओ दोसर के जीवन संगिनी बैन क हुनकर घर जैत छैथ त निश्चित रूप स हुनका स किछ अपेक्षा रखैत छैथ ! जेय पर खरा उतरे के लेल हुनका एक आदर्श 'जीवन - संगनी ' के दायित्व निभाबे परेत छैन ! हुनकरे भूमिका पर घर के समृधि आर सुख - शान्ति काफी हद तक निर्भर करैत छैन ! कहल गेल अछि की सफल व्यक्ति के सफलता के पीछा स्त्री के हाथ होइत छैन ! अतः आहा एक आदर्श 'जीवन - संगिनी' भो साकेत छ्लो यदि आहा हर कदम पर अपन हम सफर के साथ दियेन आर परिवार म यदि सामंजस्य बनेना राखी ! आबू देखि कोना बनल जैय एक आदर्श 'जीवन - संगिनी'

* आर्थिक आधार पर अपन पति के ओरो स तुलना करब आहाके जीवन म जहर घोइल सके य ! अतः कखनो पाई क सुख आर समृधि के आधार नें समझे के गलती करू ! पाई स सोना के महल खरीद सके छी मुदा निंद नें ! बेहतर हेत यदि आहा अपन पति के जिम्मेदारी आर मज़बूरी क समझे के प्रयाश करी ! हुनकर काम म हाथ बटाबियोंन, अगर आहा पढ़ल - लिखल छी त आर्थिक सहयोग दे क हुनकर तनाव कम करे के प्रयाश करी ! आहक भावनात्मक नैतिक आर आर्थिक सहयोग हुनका आश्वस्त करतेंन की हुनकर जीवन-संगिनी दुःख - सुख म हुनकर साथ दें छैन ! बहिन सब स पैघ सहयोग होई छै भावनात्मक संबल जे एक पति क हुनकर जुझारू ऐवं सुलझल पत्नी के सिवा कियो नै दे सकेत छथिन ! माँ, बहिन के रिश्ता अपन जगह अत्यन्त महत्वपूर्ण होई छै ! खाली अहि के उपस्थिति हुनकर रिश्ता के पूर्ति नै करे छैन ! आहा क इ नै भुल्बाक चाही की हुन्करो अपन माँ - बाबूजी, भाई - बहिन छैन ! जिन्करो देखभाल हुनके केनेय छैन ! एहेंन स्थिति नै आबे दीयोंन की हुनकर परिवारक सदय्श अपना आप क उपेक्षित महसूस करैत !

* वर्तमान युग म संयुक्त परिवार के विघटन होई के एक बहुत बड़ा कारन इ छलें की विवाह के उपरांत अलग गृहस्थी बनाबे के बिचार मस्तिष्क पर हावी भेल जे रहल अछि ! भौतिक प्रतिस्पर्धा, आधुनिक चकाचौध आर अधिक स अधिक वस्तु के संग्रह के क आरामदायी जीवन व्यतीत करे के चाह हमरा सब क रहे या आई पाछा हम सब अपन सब सम्बन्ध क भूले दैत छलो ! हमरा सब क इ सोच्बाक चाही की विवाह के उपरांत अपन सास - ससुर के प्रति उपेक्षा के भावे आई वृधाश्रम के संख्या बढे रहल अछि ! ताहि लेल निक हेत की आहा अपन सब आवश्यकता म संतुलन बनेना राखी ! परिवार क बिखरे स बचाबी !


* अपन पति के योग्यता आर हुनकर क्षमता के तुलना दोसर स नै करबाक चाही ! किये की हुनकर तुलना दोसर स केने स हुनकर स्वाभिमान क ठेस पहुचतैन ! एक बात क सदैव गाठ बैंध क चलुकी आहा के पति चाहे जेहेंन हुवे , हुनका ओही रूप म स्वीकारी ! आपसी सामंजस्य, बुद्धिमत्ता आर सूझबूझ स गृहस्थी के गाड़ी क आगा बढाबी ! हुनकर मेहनत के प्रशंसा कारियोंन आर कन्धा स कन्धा मिले क गृहस्थी के सुख एश्वर्य बनाबे म हुनकर साथ दीयोंन ! याद रहे जिम्मेदारी म साझापन आर विचार म सामंजस्य बनेना राखब पति - पत्नी दुनु के जिमेदारी छी ! आहा यदि इ गुण अपनाबी त कैल अपन मिथिला समाज के दोसरो बहिन आहा स प्रेरित हेती ! उम्मीद करेत छलो हमर ब्लोग आहा सब पसंद करब !


हम जीतमोहन जी के तहे दिल स आभारी छियेंन जे ओ इ मैथिली" ब्लोग बनेलेथ आर ओई पर हमरा किछ लिखे के आग्रह केलेथ !

5 टिप्पणियाँ

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

  1. mamtaa jee,
    saadar abhivaadan . sabsa pahine ta ahaan ke aihe blog jagar par bahut bahut swagar aichh. kamal ke gapp aichh je ahan apan pahile post mein ehen gambheer vishay uttha daloun hain je kam sa kam mithilaanchal ke kuno beti ta nahin soch sakait achh. chalu ummed karait chhe je aagoo aar bahut kich padhay lel bhetat. yadi ham kich sahyog ka sakee ta ahobhaagya.

    ajay kumar jha
    9871205767

    जवाब देंहटाएं
  2. अजय जी अपने के बहुत बहुत धन्यवाद जे अपने हमर ब्लोग पसंद केलो जहा तक सहयोग के बात अछि त भे सका त एक आध ब्लोग आहू आई मैथिल और मिथिली ब्लोग पर प्रस्तुत करे के प्रयाश करब !!

    जवाब देंहटाएं
  3. its realy nice. i dont know mathaily but i belong frm dat state

    जवाब देंहटाएं

एक टिप्पणी भेजें

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने