बिहार क्रिकेट एसोसिएशन रद्द केलक दरभंगा जिलाक क्रिकेट संघक मान्यता।



 दरभंगा:[प्रणव चौधरी] बिहार क्रिकेट एसोसिएशन दरभंगा जिलाक क्रिकेट संघक मान्यता रद्द कs देल गेल अछि।ऐही सिलसिला मेें बीसीए केर तरफ सs 17 सितम्बर केँ नोटिफिकेशन जारी कैल गेल छल। आवेदन रद्द केला सs दरभंगा जिलाक उभरैत क्रिकेट प्रतियोगिताक भविष्य दांव पर लाइग गेल अछि।
बीसीएक तरफ सs जारी कैल गेल नोटिफिकेशन में ई कहल गेल अछि कि डीडीसीए केर तरफ सs बरख 2016-17 व 2017-18 सत्रक आवेदन शुल्क जमा नञि कराओल गेल अछि। एही वजह केँ नियम केर अनुसार डीडीसीए केँ आवेदन स्वत: रद्द भ गेल।एहीके अलावा बीसीए केँ तरफ सs कहल गेल अछि कि डीडीसीएक लेल नियुक्त भेल रिसीवर मेजर पॉलिसी डिसिजन लेबाक लेल अधिकृत नञि अछि।
#रद्द # क्रिकेट संघ मान्यता # मैथिली समाचार