ललित नारायण मिथिला विश्वविद्यालयक(LNMU)केँ परीक्षा नियंत्रक केर इस्तीफा कैल गेल मंजूर।



 
दरभंगा: परीक्षा नियंत्रकक इस्तीफा मंजूर भ गेल।ललित नारायण मिथिला विश्वविद्यालयक कुलपति परीक्षा नियंत्रक "डॉ. कुलानंद यादवक" केँ पद सs इस्तीफा स्वीकार क लेल गेल । कुलसचिव कर्नल निशीथ कुमार राय  सोम दिन एही बातक अधिसूचना जारी कs देने छल।अधिसूचनाक अनुसार डॉ. यादव केर विश्वविद्यालय अंग्रेजी विभाग में वापस भेज देल गेल अछि। और परीक्षा नियंत्रक द्वितीय डा यूके दास केँ अखन तत्काल परीक्षा नियंत्रकक जिम्मेवारी देल गेल अछि।
ललित नारायण मिथिला विश्वविद्यालयक परीक्षा नियंत्रकक इस्तीफाक स्वीकृत होबैए सs छात्र राजद में नाराजगी देखबाक भेटल।
#इस्तीफा # LNMU परीक्षा नियंत्रक #मैथिली समाचार