दरभंगाः लक्ष्मीपुर चंडीस्थान पंचायतक केवटगामा में एगो महिलाक मौतक बाद कियौ नञि अपन जमीन पर अंतिम संस्कार करबाक लेल इजाजत नञि देलक, तs हुनक परिजन सब हाइरक घरक पास में लाश केँ दफन कs देलक।सोम दिनक राइत केवटगामा टोला निवासी सोहगिया देवीक डायरिया सs मौत भ गेल। मौतक बाद शव केँ जरेबाक लेल मृतकाक पति अपन पासक जमीन पर गेलैथ। जीनकर जमीन छल , जमीनक मालिक माना कs देलक।एहीके बाद मृतकाक परिजन सब , सब आदमी सबसँ हुनक जमीन पर अंतिम संस्कार करबाक लेल इजाजत मांगलैथ,मुदा कियौ नञि अपन जमीन पर लाश जरेबाक अनुमति देलक।बाद मे हाइर थाइक कs मृतका केर परिजन सब लाश केँ अपन घर केर साइड में दफन कs देलक।ओही पंचायतक मुखियाक पति रमेश कुमार यादव कहलैथ कि जमीन नञि रहबाक कारण पीड़ित केँ घरक नजदीक में शव केँ दफन करैए पड़ल।
मृतकाक पति "हरिनारायण ऋषिदेव" बतेलक कि हुनका पास घर केँ अलावा आओर कतौ जमीन नञि अछि। ओहि गामक लोग सब बहुत मान मनोव्वल केलाक बादो अंतिम संस्कार करबाक लेल जमीन नञि देलैथ।एही कारण घर में लाश केँ दफनाओल गेल।
पंचायतक पूर्व मुखिया बेचन ऋषिदेव, ग्रामीण कैलू ऋषिदेव ओर लोग सब कहलैथ कि एही गांव में श्मशान नञि हेवाक कारण किनको मरै पर पर बहुत रास परेशानी होइत अछि। जिनका पास जमीन अछि ओ आदमी तs अपन जमीन पर लाशक अंतिम संस्कार करैत अछि। मुदा, जिनका पास अपन जमीन नञि आई हूनका बहुत परेशानी होइत अछि।लक्ष्मीपुर चण्डीस्थानक मुखिया "रीता देवी" कहलैथ कि पंचायत में श्मशानक लेल सरकारी जमीन उपलब्ध करेबाक लेल अंचलाधिकारी केँ पत्र भेजल जायत । ओतै अंचलाधिकारी "जयप्रकाश राय" कहलैथ कि अगर ऐहेन तरहक प्रस्ताव पंचायत सs आबैत अछि त श्मशानक लेल सरकारी जमीन चिह्नित कँ जिला अधिकारी केँ प्रस्ताव भेजल जायत , ताकि श्मशानक लेल जमीन उपलब्ध भ सकैए।
#अमानवीय #व्यवहार #लाशक संग # मैथिली समाचार