भागलपुरक BSFकेर जवान अजीत सिंहक जम्मू में ड्यूटी जेएबाक क्रम में रोड एक्सीडेंट में साथी समेत अजीत केँ भेल मौत।




भागलपूर: भागलपुर जिलाक घोघा निवासी अजीत सिंहक जीप जम्मू में ऐगो गहीर खद्धा में गिरला सs मौत भ गेलैन। एही हादसाक समय ओहि जीप में ड्यूटी पर संग जा रहल अजीत केँ दुग़ो साथी हूनको मौत भ गेल
बीएसएफक जवान "अजीत कुमार" घोघा केर जानीडीह निवासी इंद्रजीत सिंहक बेटा छल।एही घटनाक समय अजीत अपन दुगो संगी केर साथ अखनोर चौकी सs श्रीनगरक सीमा पर ड्यूटी करबाक लेल जा रहल छलैथ। एही बीच ड्राइवर केँ अपन गाड़ी केँ संतुलन बिगैर गेला सs हुनक जीप एगो खद्धा में गिर गेल, जाहिस हुनक संगी बलबीर सिंह आओर चालक आत्मा सिंह केँ सेहो  घटनास्थल पर ही मौत भ गेल।
जम्मू कश्मीर सs एही घटनाक सूचना बुध दिनक साँझ में फोन सs हुनक घर केँ लोग केँ देल गेल।एहिके बाद सs मृतक जवानक माँ, पत्नी संग हुनक घर केँ लोग सबके कानैत-कानैत हाल खराब भ गेल।हुनक कनिया मनीषा बेर-बेर बेहोश भs जाइत छेली। एही हादसाक सूचना भेटैए पर मृतक केँ घर में लोग सबहक भीड़ जमा भ गेल।मृतक केँ परिजन बतेलक जे  मृतक अपन तीनु भाइ में सबसँ छोट छल आओर सबहक दुलरुआ  छलैथ।
मृतक केर विवाह खगड़िया केर मंजुषा देवीक संग एक मई 2017 कँ बड धुमधाम सs भेल छल।
#रोड एक्सीडेंट #B #जम्मू कश्मीर #मैथिली समाचार