सृजन घोटालाक जांच कs रहल सीबीआई सs प्रशासन छीन लेलक गाड़ी।


 

भागलपूर:भागलपुर ओर सूबे केँ बहुचर्चित सृजन घोटालाक जांच कs रहल सीबीआई केँ दुगो गाड़ी केँ प्रशासन वापस लs लेलक। दुनु गाडी किराए पर लेल गेल छल।
सबौर बीडीओ ट्रेवल एजेंसी केँ पत्र द कs कहल गेल छल कि आवंटन नञि मिलाक केँ कारण गाड़ी किराया  भुगतान करबा में परेशानी भ रहल आई। बीडीओ तुरंत दुनु  गाड़ी केँ बंद करेबाक आदेश देलैथ।अपनेक बता दी जे कि सृजन घोटालाक जांच करबाक लेल  डीएम केर आदेश पर 26 अगस्त 2017 केँ चाइर गो स्कॉर्पियो सीबीआई केँ उपलब्ध करौल गेल छल। मेसर्स बासु ट्रेवल्स, खंजरपुर, भागलपुर नामक एजेंसी केँ ओहि समय ई सेहो कहल गेल छल  कि सीबीआई केँ कुल नौ गाड़ी केँ जरूरत छल।
जरूरत पड़ला पर शेष पांचक लेल समय पर सूचित कैल जैत। 1600 करोड़ रुपयाक सृजन घोटालाक जांच सीबीआई अगस्त 2017 सs कs रहल अछि। सबौर में एहिके कैंप कार्यालय खोलल गेल अछि।
#पटना#सृजन घोटाला #cbi #मैथिली समाचार