नई दिल्ली [मणिभूषण राजू] दिल्ली पुलिस के स्पेशल सेल बृहस्पति दिन जामा मस्जिद के पास आतंकी संगठन इस्लामिक स्टेट जम्मू-कश्मीर (आईएसजेके) के दू टा आतंकी के गिरफ्तार कयलक।
पुलिस आतंकी सबके तखन गिरफ्तार कयलक जखन ओ दूनू आतंकी लालकिला बस स्टैंड सँ जम्मू के बस पकड़य जा रहल छल। पुलिस के हाथ चढ़ल दूनू आतंकी इंजीनियरिंग के पढ़ाई पढ़ि रहल अछि। पुलिस दूनू आतंकी सँ पूछताछ कय नेटवर्क सँ जुड़ल आन आतंकी के तलाश तेजी सँ कय रहल अछि। पुलिस के अनुसार ई दुनू एखन संगठन के हथियार उपलब्ध कराबय आ आतंकी सबकें ठिकाना मुहैया कराबय में जुटल छल।
यूपी के अमरोहा सँ कय रहल अछि पढ़ाई
गिरफ्तार आतंकी में परवेज अहमद लोन (24) आ जमशीद जहूर पॉल(18) शामिल अछि। पुलिस के एकरा सबके पास सँ दू टा पिस्टल, 10 कारतूस आ चारि टा मोबाइल भेटल अछि। एहिमें सँ परवेज यूपी के डीएनएस कॉलेज सँ सिविल इंजीनियरिंग सँ बीटेक पूरा कय एमटेक कय रहल अछि। जमशीद इलेक्ट्रिकल इंजीनियरिंग में डिप्लोमा के अंतिम वर्ष के छात्र अछि।
गुप्त सूचना पर भेल कार्रवाई
स्पेशल सेलक डीसीपी प्रमोद कुशवाहा कहलैथ कि खुफिया ईकाई सँ एहि आतंकी सबके बारे में जानकरी भेटल छल, एहि के बाद स्पेशल सेलक एकटा टीम एकर सबहक पाछा लगाओल गेल छल।
एहिमें एकटा केँ भाई आतंकी छल
कुशवाहा केर अनुसार एहि में सँ परवेज अहमद लोनक भाई फिरदौस लोन आतंकी छल, जे ऐहि साल जनवरी में शोपिया में सुरक्षा एजेंसी संग मुठभेड़ में मारल गेल छल। पहिले ओ मुजाहिद्दीन संग जुड़ल छल आ बाद में आईएसजेके सँ जुड़ल। ओ बूरहान वानी सँ प्रेरित भय आतंकी बनल छल। ओहिना जमशीद एखने किछु दिन पहिने एनआईए द्वारा गिरफ्तार कयल गेल आतंकी बर्शीद के दिल्ली में ठिकाना मुहैया करौने छल आ ओकर आबय जायक पूरा व्यवस्था देखने छल।
#गिरफ्तारी #संदिग्ध आतंकवादी #दिल्ली #मैथिली समाचार