झंझारपुर में पूर्णियाँ केर डीएम केँ घर में चोरी।



झंझारपुर: [मणिभूषण राजू] झंझारपुर थानाक्षेत्रक सिमरा पंचायत स्थित मोहना केर नजदीक बनल पूर्णियाँक डीएम "प्रदीप कुमार झा" आ हुनक चाचा सुधाकर झा केर पैतृक आवास में राइत में चोरक उत्पात मचल। दूनू घर सटल-सटल अलग-अलग कैंपस में छल । 
चोर सब दूनू घरक लगभग डेढ़ दर्जन कमरा के ताला तोड़लक। घटनाक समय दूनू घर में कियो नञि छलैथ। भोरे लगभग 6 बजे काज करयवाली महिला किसुनी देवी ताला टूटल देखि आसपास के लोक केर एही घटनाक जानकारी देलक। सुधाकर झा केर घर में जहि तरह सँ समान आ गहनाक खाली डिब्बा फेकल भेटल ओहि सँ कयास लगाओल जा रहल अछि कि चोर सब लाख टका तक केँ समान सब पर हाथ मारलक। डीएम के घर के सबटा ताला टूटल छल मुदा चोरी के समान के अंदाजा नञि लागल।
सूचना पर भोरे थानाध्यक्ष बीडी सिंह दलबल संग घटनास्थल पर पहुँचलाह आ जाँच शुरू केलक। सर्किल इंसपेक्टर सनोवर खां आ बीडीसिंह कहलथि कि चोरी के सच्चाई जानय लेल एफएसएल के टीम के बजाओल गेल अछि।
#चोरी #पूर्णियाक डी. एम.#झंझारपुर #मैथिली समाचार