मैथिली मनोरंजन जगत मे आस्था मिश्रा आओर बबली चौधरी मिल क बनेलैथ "मैथिली झंकार समूह"



दरभंगा। [प्रणव चौधरी] आजुक समय मे लोकप्रिय मैथिली गायिका बबली चौधरी मैथिली गायिकी केर रूप मे अपन पहचान जन - जन धरी बना लेना छथि। सुनबामे आयल अछि कि बबली चौधरी समय रहैत अपन मुकाम गायिकी केर क्षेत्र मे आगू बढ़बैत बहुत रास मैथिली, हिन्दी आओर भोजपुरी गायक/गायिका सभक संग मील एकटा समूहक निर्माण केलैन हैं जाहि समूहक नाम अछि "मैथिली झंकार समूह"

अपने क' बता दी जे आस्था मिश्रा मूल रूप सँ सहरसा जिलाक सुपौल शहर के छथिन आओर श्री अरूण झा केँ बेटी छथिन।आस्था अपन पति संग सुपौल में रहैय छैथ।हुनक पति कोलेज मे एकाउटेंट केँ पद पर कार्यरत छैथ।ओतैय ओहि मे मिथिलाक लोकप्रिय व चर्चित गायिका बबली चौधरी मूल रूप सँ दरभंगा जिलाक राघोपुर के छथिन आओर स्वर्गीय श्री इन्द्रनारायण झा केँ बेटी छथिन। बबली अप्पन पति संग पटना म' रहैत छथि,हुनकर पति (CISF म' SUB INSPECTOR ) छथिन।

आगूक खबैर बबली चौधरी जीक फेसबुक वॉल सँ;

समस्त मिथिला वासी क' हमर प्रणाम/नमस्कार...

बन्धुलोकनि, अपने सभसँ भेटल अथाह प्रोत्साहन आओर माँ शारदाकेँ असीम अनुकम्पा सँ हम सभ एक मैथिली गायक/गायिका केँ समूहक निर्माण केना छी, जाहि समूहक नाम अछि "मैथिली झंकार समूह" एहि समूह मे हम (बबली चौधरी), अमर आनंद जी, केशव रॉक जी, आस्था मिश्रा जी केँ संगे संग बहुत रास कलाकार शामिल छथि।

अपने लोकनिसँ विनम्र निवेदन अछि कि कोनो तरहल मांगलिक/सांस्कृतिक कार्यक्रम केँ  शुभ अवसर पर "मैथिली झंकार समूह" केँ एक मौका प्रदान करैत हमरा लोकनि क' अपन मकसद मे सफल होयबाक लेल प्रोत्साहित करी।

उम्मीद करैत छी अपने लोकनिक स्नेह आओर आशीर्वाद हमरा सभकेँ सदिखन भेटैत रहत आ हम सभ अपने लोकनिक उम्मीदक पूर्ति करबा मे सदिखन सफल होयब।

धन्यवाद।

मैथिली झंकार समूह
संपर्क सूत्र : 8789962650, 9128450815
# संस्कृति कार्यक्रम #मैथिली सिंगर #आश्था -बबली # मैथिली समाचार