भारत बंदके दौरान सांसद "पप्पू यादव" केर काफिला पर भेल पथराव।।



मुजफ्फरपुर: जन अधिकार पार्टी केँ प्रमुख आओर सांसद पप्पू यादव पर हमला हेवाक सुचना भेटल  अछि।भारत बंद केँ समर्थक सब मुजफ्फरपुर केँ खबड़ा में एनएच पर सांसद पप्पू यादव केर काफिला पर पथराव केलक। रोड़ाबाजी में एक दु पत्थर पप्पू यादव केँ सेहो लागल अछि। हुनक गार्ड केर सेहो हल्का चोट लागल हन। "पप्पू यादव" सांसद "बेटी बचाउ" पदयात्राक लेल मधुबनी जा रहल छेलैथ।एही घटनाक बाद कनिक देर रुइक कँ फेर मधुबनी केर लेल रवाना भ गेलैथ।
पप्पू यादवक कहलैथ कि अगर हुनका संग सीआरपीएफ केर जवान नञि  रहितैं तँ हमर हत्या निश्चित छल। स्थिति ऐहेन भ गेल छल जे की गोली चलेबाक मौका आइब जाइत । पप्पू यादव बतेलक जे कि रास्ता रोइक क हमरा पर अटैक करै बला केर हाथ में पिस्टल छल। आओर पप्पू यादव प्रेश स गप करैत कानइ लगला ,जे हम आइ तक जात पात बला ने कतौउ बयान नञि  देलौ आओर  नञि काज केनौ ।हुनक काफिला में जतेक भी गाड़ी छल सभहक शीशा टूइट गेल अछि।हुनक मोबाइल केँ सेह़ो फोइर देल गेल। बस कोनो तरहे हमर जान बैच गेल।एही हमला सेँ पहिले सेहो पप्पू यादव केँ बहुतो जगह रोकबाक कोशिश कैल गेल छल।हमला करै बला सभ सांसद पप्पू यादवक गाड़ी के अपन गाड़ी सेँ पीछा क रहल छल।
#मुज़फ़्फ़रपुर # पथरवाजी # पप्पू यादव #मैथिली समाचार