पटना: बिहारक चर्चित सृजन घोटाला में उप मुख्यमंत्री "सुशील कुमार मोदी" केर चचेरी बहिन "रेखा मोदी" केर घर पर आयकर विभाग छापा मारलक के । आयकर विभागक टीम पटनाक अलावा भागलपुर, पूर्णिया, दिल्ली और मुंबई में सेहो छापामारी केलकै। भागलपुर में जाही दुकान और नम्हर प्रतिष्ठान पर छापामारी चैल रहल अछि, ओहिमे बिग शाप, फ़ैशन प्लेनेट, पुरुषम, फैशन प्वाइंट, प्रगति, रिवॉक और स्पाइकर केर शो रूम शामिल अछि। इनकर सबहक मालिक केर घर पर सेहो आयकर विभागक टीम पहुंचल अछि।
अपनेक जनतव द दी जे सृजन घोटाला में नेता प्रतिपक्षक तेजस्वी प्रसाद यादव पहिले सँ मोदी परिवार पर आरोप लगा चुकल छैथ। जून मास में तेजस्वी यादव आरोप लगेने छेलैथ कि एही घोटाला में उप मुख्यमंत्री केर रिश्तेदार शामिल अछि। ओ इहो आरोप लगेने छेलैथ कि मुख्यमंत्री केर एही बातक जानकारी छल।
तेजस्वी जून मास में ट्विटर पर सृजन सहकारी समितिक के बैंक खाताक विस्तृत विवरण राखैत दावा केने छल जे की सुशील मोदीक रिश्तेदार रेखा मोदी और उर्वशी मोदी केर बैंक खाता में सेहो सृजन घोटालाक पैसा डालल गेल अछि।
#छापेमारी #सृजन घोटाला #रेखा मोदी # मैथिली समाचार