कोलकाता : पश्चिम बंगालक राजधानी कलकाता में फ्लाईओवर खसैए सेँ एगो पैघ हादसा भेल हन। दक्षिण कोलकाता केर माझेरहाट फ्लाईओवर केँ एगो हिस्सा टूट गेल अछि।जेहिमें कैको आदमीक दबेबाक आशंका जताओल जा रहल अछि।एही हादसे में 3 गोटाक हालत नाजुक बताओल जा रहल अछि।
राज्य मंत्री फरहद हकीम जानकारी दैत कहलैथ कि हादसा में फंसल सभ लोग केर सुरक्षित निकाइल लेल गेल अछि। सभ घायल केँ अस्पताल में भर्ती करा देल गेल अछि। उ कहलैथ कि यी पुल 40 साल पुरान छल। अखन तक एक गोटाक मरबाक खबैर आइब रहल अछि,मुदा सर्च ऑपरेशन चालू अछि ।
एही हादसाक बाद बचाव कार्य शुरू कँ देल गेल अछि। राहत काजक लेल सेना केँ नैए बजाओल गेल हन। मुदा हादसा हुनक क्षेत्र केर बहुत करीब भेल अछि।एही लेल आर्मी फील्ड हॉस्पिटल केँ इलाजक लेल लगा देल गेल अछि।इमहर दोसर तरफ, NDRF सेहो घटनास्थल पर 3 गो टीम केँ भेज देलक यै। जेहिमें सेँ एगो टीम कोलकाता में मौजूद अछि जे किछु समयक बाद ओही जगह पहुंच जैत। जेहिमें 2 गो टीम बटालियन सेँ भेजल गेल अछि।
ओतैए एही हादसा पर दुख जतबैत मुख्यमंत्री ममता बनर्जी कहलैथ कि सबसँ जरूरी अछि घटनास्थल पर बचाव काज शुरू केनाई और यी सुनिश्चित केनाई कि सभ गोटा सुरक्षित रहैथ। उत्तर बंगाल सेँ आबैए बला लोगक लेल आब कोनो रास्ता नैए अछि। बागडोगरा सेँ उड़ान केर कोनो व्यवस्था नैए अछि। हमार प्राथमिकता सभ केँ सुरक्षित निकालबाक अछि।
एही भीषण हादसा में बहुत गोटाक दबल भ सकैत अछि। एही हादसे में कैको गाड़ी एही मलबाक नीचा दबल होबाक सेहो शंका जताओल जा रहल अछि।
#कलकत्ता #माजेरहाट #फ्लाईओवर दुर्घटना#मैथिली समाचार