पटना: पश्चिम बंगाल आओर बिहार में भूकंपक झटका महसूस कैल गेल अछि।प्राप्त जानकारी केर मुताबिक पश्चिम बंगालक कोलकाता, जलपाईगुड़ी, अलीपुरद्वार और बिहार में किशनगंज, मुंगेर, कटिहार, अररिया ,सहरसा,दरभंगा,मधूबनी में लगभग 25 सेँ 30 सेकंड तक भूकंपक झटका महसूस कैल गेल।
प्राप्त सुचनाक मुताबिक रिएक्टर स्केल पर भूकंपक तीव्रता 5.5 मापल गेल। झटका लगलाक बाद लोग सभ घर केर बाहर निकैल गेल, लोग सभ केर बीच अखन फिलहाल दहशतक माहौल बनल अछि। अखन तक कोनो तरहक हताहत होबाक खबैर नञि भेटल अछि।
भूकंपक केंद्र लद्दाख क्षेत्र में कारगिल केर उत्तर में 199 किलोमीटरक दूरी पर रहल। फिलहाल अखन भूकंप सs कोनो प्रकारक जानमालक नुकसानक रिपोर्ट नञि आयल अछि।
#भूकंप झटका #उत्तर भारत #मैथिली समाचार