जम्मू काश्मीर: जम्मू कश्मीर में सोमदिन कुपवाड़ाक तंगधार सेक्टर में एलओसी केँ नजदीक तीन गो आओर आतंकी मारल गेल छल।एहि सs पहिले रैव दिन सेहो दुगो आतंकी मारल गेल छल। ई ऑपरेशन में गुरदासपुर जिलाक घुम्मणकलांक गांवक कोटला खुर्दक लांस नायक "संदीप सिंह" एही ओपरेशन में शहीद भs गेलैथ। संदीप सिंह सर्जिकल स्ट्राइक में पैरा कमांडो केँ दल में शामिल छलैथ।
ई ऑपरेशन सोमदिन रात तक सेहो चालू छल।तंगधार में शनि दिन आतंकी घुसपैठक कोशिश केने छल।एही दौरान पाकिस्तानक रेंजर सेहो कवर फायर दैत रहला।एहिके बाद सs ऑपरेशन चालू छल। सोम दिन तीन गो आर आतंकी मारल गेल अछि।एही आॅपरेशन में आतंकी सबकेँ मारल जेबाक खबैर भेटैते पैघ संख्या में ओहि जगहक स्थानीय लोग सब मौका पर पहुंच कs सुरक्षाबल पर पथराव शुरू कs देलक। ऑपरेशनक दौरान शहीद भेल संदीप 2007 में सेना में भर्ती भेल छेलैथ।हुनक ड्यूटी 4 पैरा उधमपुर में छल। तंगधार में घुसपैठक सूचना पर संदीप केँ ओहि जगह भेजल गेल छल।हुनक परिवार में पिता जगदेव सिंह, मां कुलविंदर कौर,कनियाँ गुरप्रीत कौर और पांच बरखक ऐगो बेटा अछि। हुनक पार्थिव शरीर मंगल दिन हुनक गांव पहुंचल।आर सम्मानक साथ हुनकर अंतिम संस्कार कायल गेल।
#शहिद #सर्जिकल स्ट्राइकक हीरो #मैथिली समाचार