दरभंगा-कोलकाता एक्सप्रेसक तीनटा डिब्बा पटरी सs उतरल निच्चा।




दरभंगा:[प्रणव चौधरी] दरभंगा में शुक्रदिन भोरे एगो बड पैघ हादसा भँ गेल। शुक्रदिन भोरे लगभग 5:00 बजे दरभंगा जंक्शनक यार्ड में शंटिंग केर दौरान दरभंगा-कोलकाता एक्सप्रेसक तीनटा जनरल डिब्बा पटरी पर सs उतैर गेल।ओ़हि समय ट्रेन में कोनो भी यात्री चरहल बगई छल। बताओल जा रहल अछि कि ड्राइवर ट्रेन केँ निर्धारित कैल जगह सs ज्यदा दूर लs गेल आओर पटरी बदलैए बला जगह पर गैप सेहो ज्यदा छल।एही मौका पर समस्तीपुरक एडीआरएम जांचक लेल पहुंच गेल छल।प्राप्त जानकारीक अनुसार काइल भोर में लगभग 5:00 बजे केँ आसपास शंटिंग केँ दौरान शंटिंग यार्डक सीमा सs रैक केर आगा बढ़ला सँ ट्रेनक तीनटा कोच पटरी सs नीचा उतैर गेल छल। एगो कोचक एक तरफक चक्का आओर दुटा कोचक दुनु  चक्का पटरी सs उतैर गेल छल।एही घटनाट सूचना मिलैत समस्तीपुरक रेल मंडलक एडीआरएम संत राम मीणा एआरटी मशीन और अप्पन पूरा टीमक संग घटनास्थल पर पहुंचक अप्पन काज चालू कs देने छलैथ। एडीआरएम श्री मीणा सs बातचीत करबा पर कहलैथ जेँ एहीकेँ जांचक उपरांत दोषी पर कार्रवाई कैल जैत।इमहर दुगो डिब्बा केँ पटरी पर चढ़ा देल गेल छल।ओर तेसर डिब्बे केँ सेहो चरहेबाक कोशिश कैल जा रहल छल।
#ट्रैन हादसा #दरभंगा # मैथिली समाचार