सुपोल:राहगीर केँ ठोकर माइर कs कार सहित भाइग रहल सुपौल जिलाक भाजपा नेता केँ ग्रामीण सबहक भीड़ पकैड़ लेलक और जैम कs धुनाइ कs देलक।एही दौरान रामपुर ओवरब्रिज निवासी नुरुल अमीन कोनो तरहे भाजपा नेता केँ लोग सब सs बचा कs अपन घर में नुका देलक आओर हुनक कार केँ सेहो अपना दरबजा पर सुरक्षित रखवा लेलैथ।
उक्त भाजपा नेताक नाम बॉबी बताओल जा रहल आई जे सुपौल जिलाक के प्रतापगंज स्थित तईंटोलिया निवासी सुनील बसेदार केँ सुपुत्र छैथ । बॉबी सुपौल जिलाक भाजपा सहकारिता मंचक जिला उपाध्यक्ष छैथ।एही घटनाक संबंध में भाजपा नेता बॉबी केँ कहब अछि , ओ अपन कार नंबर बीआर 50 बी-7560 सs फारबिसगंज आइब रहल छलैथ। रस्ता में लोग सब हुनका पकैड़क हुनका संग माइरपीट केलक आओर हुनक मोबाइल आर तीनटा एटीएम कार्ड केँ छीन लेलक। ओ कार सs एक्सीडेंट होबाक बात सs इनकार केलैथ आई ।
इम्हर कथित रूप सs कारक ठोकर सs घायल मो गयास रेवाही केँ इलाज ओही जगहक स्थानीय अनुमंडलीय अस्पताल में कैल जा रहल अछि। ओतैए घटनाक सूचना पर स्थानीय दारोगा मालाकार पुलिस बलक संग घटनास्थल पर पहुंचलैथ ।
#हीट एंड रन #सुपौल #मैथिली समाचार