नई दिल्ली:नई दिल्ली सs गुवाहाटी जा रहल राजधानी एक्सप्रेस में यात्रा कs दौरान एक बृद्धक यात्री मरल अवस्था में भेटल । रेल थानाध्यक्ष संतोष कुमार बुधवार केँ कहलैथ जे राजधानी एक्सप्रेस ट्रेन केँ बी वन बोगी केँ सीट सs लाश केँ निच्चा उतारा गेल ।
बगल में बैसल सह यात्री सब बृद्धक रबेल सिंह (64साल ) केँ सीट पर मरल अवस्था मे देखलक । सनका भेला पर जखन नजदीक स देखलें त पता लगलें जे हिनक मृत्यु भ गेल छैन । ट्रेन में मरै के सूचना टी टी ई के देल गेल । टी टी ई घटना के जानकारी कटिहार कंट्रोल के देलैथ ।
थानाध्यक्ष कहलैथ जे ट्रेनक किशनगंज पहुंचला पर लाश केर किशनगंज रेलवे स्टेशन पर उतारल गेल। मृतक बुजुर्ग केर संग सsभेटल फोन सs हुनक परिजन सब केँ सूचना द देल गेल आइछ । मरल बुजुर्ग दिल्ली केर रहैए बला बताओल जा रहल अछि।जे कोनो काज सs गुवाहाटी जा रहल छेलैथ। मरै केँ कारण स्पष्ट नञि भेला । पुलिस जांच कs रहल अछि।एही लाश केँ सदर अस्पताल भेजल गेल छि। मरल यात्री केँ पास सs मिलल समान के रेल थाना में राखल गेल अछि।
#बृद्धक लाश # राजधानी एक्सप्रेस # मैथिली समाचार