अपना घरक बाहर बैसल 3टा महिला के अनियंत्रित वाहन लेलक अपन चपेट में, 2 महिलाक भेल मौत।



समस्तीपुर: समस्तीपुर में बुध दिनक देर राइत बरका  भयंकर हादसा भ गेल। मुसरीघरारी थाना केर "बी एलौथ" केर घरक नजदीक काइल राइत में एगो पिकअप गाड़ी घरक बाहर बैसल महिला सबके कुचैल देलक।एही सs दुगो महिलाक मौत घटनास्थल पर भ गेल। जखनकी एगो गंभीर रूप सs घायल भ गेल छैथ।
घायल महिला केँ सदर अस्पताल में इलाज चैल रहल अछि। ओतैए दोसर तरफ एही हादसा सs आक्रोशित ग्रामीण सब राइत भैर सड़क जाम केलैथ ।भोर में आवागमन शुरू कैल गेल।
मृतक केर पहचान हरपुर एलौथ निवासी रंजीत साहक पत्नी रंजु देवी  , महेश महतो केर पत्नी धर्मशीला देवी केर रूप मे कैल गेल अछि।ओतैए घायल भेर महिलाक पहचान ओहि गांवक संजीत साहक पत्नी किरण देवी केर रूप मे कैल गेल अछि।
#सड़क दुर्घटना #समस्तीपुर # मैथिली समाचार