ट्रक आओर स्कुलक बस में टक्कर सs 20 बच्चाक घायल हेवाक सुचना आयल आई ।



अररिया: अररिया-पूर्णिया फोरलेन पर महलगांव व जलालगढ़ थाना केँ सीमा पर स्थित करियात पुलिस कैंप केर नजदीक गुरु दिनक दोपहर ट्रक आओर स्कूल बसक टक्कर में 20 गो सs बेसी  बच्चाक घायल हेवाक जानकारी भेटल अछि। ओहि बस पर लगभग 35टा बच्चा सवार छलैथ। किछु बच्चा केँ अररिया केर जोकीहाट प्रखंडक मटियारी में आइन कँ बच्चा के अभिभावक सब इलाज करबे लैथ। ज्यादा घायल भेल बच्चा सबके इलाजक लेल जलालगढ़ आओर पूर्णिया भेजल गेल अछि।घटना सँ आक्रोशित भेल ग्रामीण सब किछू समयक लेल सड़क जाम कँ यातायात सबके बाधित क देलक। एही घटनाक सूचना मिलला पर अररिया एसडीपीओ केडी सिंह मौका पर पहुंचक प्रदर्शनकारी सबके समझा-बुझाक जाम हटवा देलक। हादसाक शिकार भेल बस पूर्णिया जिलाक जलालगढ़ प्रखंड मुख्यालय स्थित ब्रज पब्लिक स्कूल केँ अछि, जे बच्चा सबके छुट्टी भेलाक बाद घर पहुंचेबाक लेल जा रहल छल।
#ट्रक -बस टक्कर #अररिया # मैथिली समाचार