दरभंगाः[प्रणव चौधरी] दरभंगा जिलाक मनीगाछी प्रखंडक शखवार गांवक "शिल्पी समीक्षा" अमेरिका केर सेंट लूइस में आयोजित भेल 10वाँ इंटरनेशनल एयरोसोल कॉन्फ्रेंस में बेस्ट पोस्टर अवार्ड जीत कs समस्त मिथिलावासी केर नाम रौषन केलैन । एही कॉन्फ्रेंस में 48 देश केर 15 सौ प्रतिभागी हिस्सा लेने छल। पुरा भारत सs अकेले शिल्पी प्रतियोगिता में भाग लेने छलैथ । कॉन्फ्रेंसक आयोजन अमेरिकन एसोसिएशन ऑफ एयरोसोल रिसर्चक द्वारा कैल गेल छल। शिल्पी साउथ बिहार सेंट्रल यूनिर्विसटी सs एमएससी केने छैथ आओर अखन वर्तमान में इंडियन इंस्टीट्यूट ऑफ साइंस एजुकेशन एंड रिसर्च भोपाल सs पीएचडी क रहली हैं । शिल्पीक पिता स्व डॉ. ज्ञानानंद दास मधुबनी केर कलुआही में प्राथमिक स्वास्थ्य केंद्र के प्रभारी छलैथ। हुनक पिता के असमय ही निधन 1999 में भेलाक बाद शिल्पी केँ माँ शीला दास हुनक लालन-पालन केलखीं। तीन बहिन और एगो भाई में सबसँ छोट बहिन शिल्पी पढ़ाई में बचपन सs ही तेज छलैथ। हुनक माँ उच्च शिक्षा करेबाक लेल प्रोत्साहित केलैन । शिल्पी पटना साइंस कॉलेज सेँ इन्वायरमेंटल साइंस में डिस्टक्शिंनक साथ बीएससी केली आओर सेंट्रल यूनिर्विसटी ऑफ साउथ बिहार सs पोस्ट ग्रेजुएशन केलैथ ।
अखन वर्तमान में शिल्पी भोपालक प्रतिष्ठित इंडियन इंस्टीट्यूट ऑफ साइंस एजुकेशन एंड रिसर्च में डॉ. रामा सुंदर रमन केर मार्गदर्शन में शोध कs रहली हैं । शिल्पी कतेको परीक्षा में नीक अंक सs सफलता सेहो हासिल कs चुकल अछि। 2017 में सेहो शिल्पी अमेरिका में कॉन्फ्रेंस में भाग लेने छली, सीएसआईआर स्पॉन्सर केने छल।
#मिथिलाक नाम रोशन # अमेरिका # मैथिली समाचार