अश्लील गीतक विरोधमे आगाँ एलीह मैथिल धिया, निकाललनि आक्रोश मार्च





मधुबनी : अश्लील गीतक विरोधमे आब मैथिल धिया सभ सेहो आगाँ एलीह अछि। अहितरहक गीतक विरोधमे मैथिल धिया सभ एकजुट भए मोर्चा खोलि देलनि अछि संगहि अहिमादे धरना सेहो देलनि अछि।

एकटा निजी संस्थाक बैनर केँ तहत सैकड़ों मैथिल धिया आक्रोश मार्च निकाललनि अछि। संचालिका बिट्टू कुमारी मिश्राक नेतृत्वमे सभ धिया 'दीनदयाल प्लस टू उच्च विद्यालय' उमगांव परिसर सँ सुरक्षा हेतु मार्च केँ आयोजन कयलनि। विभिन्न तरहक नारेबाजी केँ संग अम्बेडकर चौक, बैंक चौक होएत प्रखंड मुख्यालय धरि पहुँचलीह जेतए सभ एकजुट मैथिलानी अश्लील गीतक विरोधमे जमिकय नारेबाजी कयलनि। उपस्थित धिया लोकनि कहलनि जे वर्तमानमे समूचा बिहारमे खुलेआम बाजि रहल अश्लील गीत हमरा महिला लोकनि वास्ते परेशानीक जड़ि बनि चुकल अछि। 

हमसभ बिहार सरकार सँ माँग करैत छी जे यथाशीघ्र सेंसरबोर्डक निर्माण कय अभद्र गीत गेनिहार गायक-गायिका संगहि निर्माता पर कार्यवाई करैथ, अन्यथा हमसभ मुख्यमंत्री आवास केर समक्ष विरोध प्रदर्शन करबाक हेतु बाध्य होयब।

उल्लेखनीय अछि जे वर्तमान समयमे समूचा बिहारमे अश्लील गीत-संगीत अपन पैर खूब नीकसँ पसारि चुकल अछि। सैकड़ों गायक, कलाकार व निर्माता द्वारा मिथिलाक गौरवमयी अतीत व संस्कृति केँ ताक पर राखिकय अश्लीलता केर बढ़ावा देल जा रहल अछि। आब जखन मैथिल धिया सभ एकर विरोधमे एलीह अछि तखन किछु नीक होयबाक संभावना बढ़ि गेल अछि।