रंजनाक मौत मात्र एकटा साजिश, पति प्रभात संग ससुरकेँ भेल गिरफ्तारी |



दरभंगा : नवविवाहिता रंजना झा केर मौत कउनो सड़क हादसा सँ नहि बल्कि प्रायोजित षड्यंत्र रचि निर्मम हत्या कयल जेबाक गप विभिन्न जाँच प्रक्रिया द्वारा सोझाँ आयल अछि। दरभंगा वरीय पुलिस अधीक्षक मनोज कुमार कहलनि अछि जे जाहि जगह सड़क हादसा होबाक गप कहल गेल छल ओहि जगह शोणितक एक्कहु बून्द नहि भेटाइल अछि। विभिन्न जाँच प्रक्रिया सँ रंजनाक मौत सड़क हादसामे होबाक गप सेहो प्रमाणित नहि भए रहल अछि। रंजनाक पोस्टमार्टम रिपोर्टमे सेहो अहितरहक कउनो गप सोझाँ नहि आयल छैक जे हुनक मौत सड़क हादसामे भेलनि अछि। पुलिस रंजनाक ससुर सेवानिवृत्त दरोगा अजय झा केँ गिरफ्तार कय न्यायिक हिरासतमे पठा देलनि अछि। ओतहि रंजनाक पति प्रभात झा केँ सेहो गिरफ्तार कय जेल पठाओल जेबाक समाद भेटल अछि। 

पुलिस अहि कांडक मादे प्रभातक मझिली बहिन संगीता आओर बहीनोई मुरारी आचार्य केँ सेहो गिरफ्तार करबाक आदेश देलनि अछि। जनतब करा दी जे प्रभातक बहिन-बहनोई दरभंगाक बहादुरपुर थाना क्षेत्रकेँ सिनुआर गामक रहनिहार छथि। हालांकि बेटी-जमाई केँ गिरफ्तारी मादे अजय झाक कहब छन्हि जे हमर बेटी-जमाई पछिला 20 बरिखसँ गुजरात केँ सूरत शहरमे रहैत अछि। वरीय पुलिस अधीक्षक मनोज कुमार आगाँ कहलनि अछि जे मृतका रंजना केर ससुर जे पूर्वमे दरोगा छलाह, ओ सरकारी वर्दी पहिर अपन धौंस देखाकय पुत्र प्रभातकेँ अस्पतालमे भर्ती करबौने छलाह, ताकि रंजनाक षड्यंत्रकारी हत्याके सड़क हादसामे परिवर्तित कयल जा सकै, जखन कि प्रभातक समूचा देहमे कतहु एक्कहु मिसिया निशान धरि नहि छलनि। अजय झा पर सरकारी वर्दीक गलत उपयोग करबाक वास्ते अलगसँ प्राथमिकी दर्ज कराओल जेबाक जनतब सेहो भेटल अछि। 

विदित हो जे किछुए दिवस पहिने मधुबनी जिला केर जरैल गामक वसिन्दा भूपनारायण झाक बेटी रंजना झा केर निर्मम हत्या कय देल गेल छल संगहि अहि हत्याके साजिशक तहत सड़क हादसामे परिवर्तित करबाक असफल प्रयाश मृतका केँ ससुर आओर पति प्रभात द्वारा कयल गेल छल। एकर विरोधमे मृतका रंजनाक पिता समेत सम्बन्धी लोकनि न्याय केर फरियाद हेतु लहाश संग वरीय पुलिस अधीक्षक मनोज कुमार लनि पहुँचल छलाह। 

हालहिं 29 अप्रैल केँ रंजना एवं पति प्रभातक विवाह सम्पन्न भेल छलनि। मृतका परिवारक आरोप छन्हि जे दहेजमे बुलेट गाड़ी नहि देबाक कारणे रंजनाक निर्मम हत्या कय देल गेल।
#दरभंगा #रंजना हत्या अपडेट # मैथिली समाचार