दरभंगा : दरभंगा एयरपोर्ट सँ हवाई सफर करबाक सपना एखन बड्ड दूरक गप बुझा रहल अछि। भेटल जानकारी अनुरूप रनवे निर्माण विशेषज्ञक अभावमे दरभंगा एयरपोर्टक निर्माण कार्य तत्काल बन्न कय देल गेल अछि। नागरिक उड्डयन मंत्रालयक एकटा वरिष्ठ अधिकारी कहलनि अछि जे 'सभ उड़े सब चढ़े' भारत सरकारक एकटा महत्वकांक्षी परियोजना अछि, मुदा दरभंगा एयरपोर्ट केँ एखन बनाओल नहि जा सकैछ। चूँकि रनवे निर्माण विशेषज्ञ नहि भेटि रहल अछि आओर रनवे निर्माणक वास्ते विशेषज्ञ तकबाक कार्य लगातार जारी अछि। वरिष्ठ अधिकारी आगाँ कहलनि जे एकटा बड्ड नमहर समयसँ मिथिलामे एयरपोर्टक माँग कयल जा रहल अछि आओर हमरा लोकनि ई चाहैत छी जे अहि विशिष्ट प्रोजेक्ट केँ कउनो तरहें अहि बरिख पूरा कयल जाय, मुदा वर्तमान परिस्थितिवश असंभव प्रतीत भए रहल अछि।
विदित हो जे दरभंगा एयरपोर्ट भारतीय वायुसेनाक अधीन आबैत अछि संगहि ई योजनाक क्रियान्वयन क्षेत्रीय संपर्क स्किमक अंतर्गत पूर्ण करबाक छैक। सरकार सेहो चाहैत अछि जे 2019 लोकसभा चुनाव सँ पहिने अहि प्रोजेक्ट केँ पूरा कय लेल जाय।
अपने सभकेँ जनतब करा दी जे नागरिक उड्डयन राज्यमंत्री जयंत सिन्हा बीतल 10 जुलाई केँ सोशल मीडियाक अपन ट्विटर प्रोफाइल सँ ट्वीट कय जनवरी 2019 सँ दरभंगा एयरपोर्ट चालू होबाक संभावना सेहो जतउने छलाह।